माँ सरस्वती
*****माँ सरस्वती****
✍👩गायत्री सिंह
एक वर्षक वाद आई एल
श्री पञ्चमिके त्यौहार यौ
कृपा दृष्टि उठाक देखु मैया
गुन्ज रहल अछी गलिगलिमे
आई अहिके जयजयकार यौ
जाही धुनपऽ सृष्टि झुमी रहल
हषिर्त भऽ सब नाची रहलय
स्वर-सङ्गीतके देवि कहबैछी
हाथमे बजि रहल सितार यौ
गुन्ज रहल अछी गलिगलिमे
आई अहिके जयजयकार यौ
कमल पुष्पके आसन पर बैठ
विणा पुस्तक धारणी कहबैछी
अज्ञानिके आहा ज्ञान् बाटैछि
भऽ हाँस पऽ सवार यौ
गुन्ज रहल अछी गलिगलिमे
आई अहिके जयजयकार यौ
✍👩गायत्री सिंह
लहान
💚💚💚💚💚💚💚💚💚💚💚
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻💗🌻💗🌻💗🌻🌻💗🌻💗
🌻💗🌷💗❤💗🌻💗❤

कोई टिप्पणी नहीं