यौ बुढहारीमे ABCD सिखाबैए कनिया - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

यौ बुढहारीमे ABCD सिखाबैए कनिया

यौ बुढहारीमे ABCD सिखाबैए कनिया

✍👤विधानन्द वेदर्दी
घरक हाकिम बनि हुकुम चलाबैए कनिया
भाइ! आङ्गुर पर हमरा नचाबैए कनिया॥

कि लिपस्टिक,पाउडर,काँजर,नेल पोलिस?
सोरह श्रृङ्गारकेर अडर कराबैए कनिया॥ 

बाबू जन्म एक अक्षर हम पढने नै छलहुँ,
यौ बुढहारीमे ABCD सिखाबैए कनिया॥

साँझ-भोर फैँसबुक-मैँसेन्जरमे चिपकिके, 
घर-अङ्गना हमरए सँ बहरबाबैए कनिया॥

भरि गाममे झग्डा करऽ मे जितऽ नै देत,
दोसरक झोट्टा तक नोचिके आनैए कनिया॥

नन्हियोटाक गल्ती जऽ भऽ जाए हमरा सँ,
बेलनाकेर मारि सँ देह तेतारैए कनिया॥
      * * *
✍👤विद्यानन्द वेदर्दी
   2073-10-21


💚💚💚💚💚💚💚💗💗💗💗💗💗💗❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌻🌻🌻🌷🌻🌻🌻💙💙💙💙💙


✔✔✔✔✔✔💝

कोई टिप्पणी नहीं