हम छी मैथिलि
हम छी मैथिलि
✍👩 विद्या झा "डेजी"
सुन्दर तेजस्वी मुदा दीनता भरल
स्त्री एक चौबटिया पर छली ठाढ़ि
आँखिमे भरल नोर
मैल खटखट वस्र
मुदा रत्न - जड़ित ओढ़ना ओढ़ने !
देखि हुनका, रहल नहि गेल हमरा
अचम्भित भ' पुछलियैन
किएक ठाढ़ि छी ? छी के अहाँ ?
अछि कतए अहाँक गाम ?
अइ जीर्ण वस्त्र पर रत्न - जड़ित ओढ़ना ?
ओ तेजस्वी
मुखमुद्रा पर मलिन
मुदा मधुर मुस्कानसँ बजली
पुछैत छी, त' सुनू
हम छी मैथिली आ मिथिला हमर गाम
बैसाओल गेल छी राष्ट्रभाषाक सिंहासन पर
मुदा हमर कतओ कहाँ अछि स्थान ?
केओ हमर एहि दीन - हीन अवस्थाकेँ
देखए कहाँ छथि
आ तेँ ओढ़ा देलनि
ई रत्न जड़ित ओढ़ना
हमर सर्वगुणसम्पन्न सन्तान !
✍👩 विधा झा "डेजी"
साभार :
मिथिला (साप्ताहिक) 2073 माघ 11 गते (24 January 2017)
💚💚💚❤❤❤💟💟💟💙💙💙💙💗💗💗❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💚💚💟💙💗💗💗💗💙💙💙💙💚💚💚💓💓
💓💓💓💓💓✔
✍👩 विद्या झा "डेजी"
सुन्दर तेजस्वी मुदा दीनता भरल
स्त्री एक चौबटिया पर छली ठाढ़ि
आँखिमे भरल नोर
मैल खटखट वस्र
मुदा रत्न - जड़ित ओढ़ना ओढ़ने !
देखि हुनका, रहल नहि गेल हमरा
अचम्भित भ' पुछलियैन
किएक ठाढ़ि छी ? छी के अहाँ ?
अछि कतए अहाँक गाम ?
अइ जीर्ण वस्त्र पर रत्न - जड़ित ओढ़ना ?
ओ तेजस्वी
मुखमुद्रा पर मलिन
मुदा मधुर मुस्कानसँ बजली
पुछैत छी, त' सुनू
हम छी मैथिली आ मिथिला हमर गाम
बैसाओल गेल छी राष्ट्रभाषाक सिंहासन पर
मुदा हमर कतओ कहाँ अछि स्थान ?
केओ हमर एहि दीन - हीन अवस्थाकेँ
देखए कहाँ छथि
आ तेँ ओढ़ा देलनि
ई रत्न जड़ित ओढ़ना
हमर सर्वगुणसम्पन्न सन्तान !
✍👩 विधा झा "डेजी"
साभार :
मिथिला (साप्ताहिक) 2073 माघ 11 गते (24 January 2017)
💚💚💚❤❤❤💟💟💟💙💙💙💙💗💗💗❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💚💚💟💙💗💗💗💗💙💙💙💙💚💚💚💓💓
💓💓💓💓💓✔

कोई टिप्पणी नहीं