करेजक रिंग टोनमे - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

करेजक रिंग टोनमे

करेजक रिंग टोनमें

✍👤 भास्करानन्द झा "भास्कर"

इयाद अहां केर आबि गेलै मोनमे
प्रेम-दीपक जरैछ करेजक कोनमे

संग हम्मर द’ रहल सब गाछपात
बिन बसातक हम उड़ैछी बोनमे

चौर-चांचर-चभच्चा टलहा जीनगी
पान प्रेमक करैछी शृंगारक सोनमे

रूप रंग अंगक आभूषण सं सजल 
स्वाद अहीं केर हमर चिन्नी-नोनमे

गीत प्रीतक गबैत मन चलि रहल
स्वर मुखरित करेजक रिंग टोनमे

✍👤भास्करानन्द झा भास्कर
(१५ फरवरी २०१७)




🌷💓🌷💓🌷💓🌷💓🌷💓🌷💓🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💚💟💚💟💟💗💟💗💟💙💗💙💗💙💗




💟💟

कोई टिप्पणी नहीं