पात पुरइन पर थोड़बा मकरंद लेने जाउ
पात पुरइन पर थोड़बा मकरंद लेने जाउ
लेखक ✍👤श्री सियाराम झा "सरस"
जतऽ जाउ अपन माटिक सुगंध लेने जाउ
पात पुरइन पर थोड़बा मकरंद लेने जाउ।।
अपन गाम लेने जाउ
अपन ठाम लेने जाउ
अपन कालजयी पुरखा-
केर नाम लेने जाउ
अपन अरिपन-पुरहर केर अनुबंध नेने जाउ।।
जतऽ जाउ•••••••••••••••••••
पात पुरइन•••••••••••••••••••
अपन हर लेने जाउ
अपन फाड़ लेने जाउ
कलम बैसला रूखान-
आ अंजार लेने जाउ
ओल नेबो गेनहारीक आनंद लेने जाउ।
जतऽ जाउ•••••••••••••••••
पात पुरइन•••••••••••••••••
राग-तान लेने जाउ
माछ-पान लेने जाउ
पाग धोती आ कुरता
सम्मान लेने जाउ
गली-कुचिये छिरियाएल गीत-छन्द लेने जाउ।।
जतऽ जाउ••••••••••••••••••
पात पुरईन•••••••••••••••••
हे-ई नानीक दुलार
हे-ई बाबीक मलार
हे-ई नइहर आ सासुर-
केर सोड़ह सिंगार
अपन लस्सा सन मैथिल-संबंध लेने जाउ।।
जतऽ जाउ अपन माटिक सुगंध लेने जाउ।।
जतऽ जाउ अपन माटिक सुगंध लेने जाउ
पात पुरइन पर थोड़बा मकरंद लेने जाउ।।2
पोथी:- #धरि_प्रश्न_ई_उठैए।
लेखक:-#श्री_सियाराम_झा_सरस
प्रकाशक:-#झारखंड_मिथिला_मंच।
साभार :- सुजीत झा
समस्ती पुर
💓💓💓💓💓❤🌷🌷🌷🌷🌷💝💝💝💝💝💝
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤💙💙💙💙💙💟💟💟💟💟💟
लेखक ✍👤श्री सियाराम झा "सरस"
जतऽ जाउ अपन माटिक सुगंध लेने जाउ
पात पुरइन पर थोड़बा मकरंद लेने जाउ।।
अपन गाम लेने जाउ
अपन ठाम लेने जाउ
अपन कालजयी पुरखा-
केर नाम लेने जाउ
अपन अरिपन-पुरहर केर अनुबंध नेने जाउ।।
जतऽ जाउ•••••••••••••••••••
पात पुरइन•••••••••••••••••••
अपन हर लेने जाउ
अपन फाड़ लेने जाउ
कलम बैसला रूखान-
आ अंजार लेने जाउ
ओल नेबो गेनहारीक आनंद लेने जाउ।
जतऽ जाउ•••••••••••••••••
पात पुरइन•••••••••••••••••
राग-तान लेने जाउ
माछ-पान लेने जाउ
पाग धोती आ कुरता
सम्मान लेने जाउ
गली-कुचिये छिरियाएल गीत-छन्द लेने जाउ।।
जतऽ जाउ••••••••••••••••••
पात पुरईन•••••••••••••••••
हे-ई नानीक दुलार
हे-ई बाबीक मलार
हे-ई नइहर आ सासुर-
केर सोड़ह सिंगार
अपन लस्सा सन मैथिल-संबंध लेने जाउ।।
जतऽ जाउ अपन माटिक सुगंध लेने जाउ।।
जतऽ जाउ अपन माटिक सुगंध लेने जाउ
पात पुरइन पर थोड़बा मकरंद लेने जाउ।।2
पोथी:- #धरि_प्रश्न_ई_उठैए।
लेखक:-#श्री_सियाराम_झा_सरस
प्रकाशक:-#झारखंड_मिथिला_मंच।
साभार :- सुजीत झा
समस्ती पुर
💓💓💓💓💓❤🌷🌷🌷🌷🌷💝💝💝💝💝💝
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤💙💙💙💙💙💟💟💟💟💟💟

कोई टिप्पणी नहीं