एमालेके बर्दिबासमे प्रदेशस्तरीय जमघट सब जिल्लाके चुनावी आँकलन कएलजारहल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

एमालेके बर्दिबासमे प्रदेशस्तरीय जमघट सब जिल्लाके चुनावी आँकलन कएलजारहल

एमालेके बर्दिबासमे प्रदेशस्तरीय जमघट सब जिल्लाके चुनावी आँकलन कएलजारहल



अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/ चैत्र–१७गते,सप्तरी गोलीकाण्डबाद २ नम्बर प्रदेशमे मेची महाकाली अभियान स्थगित कएने नेकपा एमाले फेरसँ मधेस केन्द्रित भेलअछि । बुधदिन महोत्तरीके बर्दिबासमे प्रदेशस्तरीय कार्यकर्ता जमघटमे शीर्ष नेतासभ २ नम्बर प्रदेशके पहिल प्राथमिकतामे राखिक चुनावमे जएवाक बतौलनि ।
करीव एक हजार अगुवा कार्यकर्ता सहभागी रहल जमघटके सम्बोधन करति बरिष्ठ नेता झलनाथ खनाल, माधव नेपाल आ ईश्वर पोखरेल २ नम्बर प्रदेशके विकासके खाकासहित आब एमाले मधेसमे अड्डा जमाबिक बैस्वाक बतौलनि । ओ सभ मधेसी मोर्चा आ कांग्रेसके धाक धम्कीसँ नै डराय कार्यकर्तासभके ढाडस समेत देलनि ।
प्रदेशस्तरीय कार्यकर्ता जमघटके उद्घाटन कऽर अध्यक्ष केपी शर्मा ओली बर्दिबास आबके कहलाकऽबादो मौसमके कारण हुनक भ्रमण रद्द भेल एमाले जनौलकअछि । जमघटमे प्रदेश संयोजक सत्यनारायण मण्डल आ सह संयोजक नागेन्द्र चौधरी २ नम्बर प्रदेशमे आबबला चुनावमावमे एमालेके पहिलो शक्ति बनाबके उद्घोष कएनेछलथि ।
बुधदिन आ आय बृहस्पतिदिन दु दिन चलबला जमघटबाद २ नम्बर प्रदेशमे केहन अभियान लजायके कहति निर्णय होबके पोलिटव्यूरो सदस्य सत्रुघन महतो बतौलनि । ओ कहलनि, ‘मेची महाकाली अभियानके निरन्तरता देबपरत कहि बात आएलअछि ।’ स्थानीय कमिटीसभ मात्र नै केन्द्रेसँ विशेष कार्यक्रम सहित नेतृत्वके मधेसमे मुकाम खडा कऽक अभियान चलएवाक तयारी भऽरहल ओ बतौलनि ।
उद्घाटन सत्रबादके बन्दसत्रमे बिभिन्न जिल्लाके अध्यक्षसभ अपन अपन जिल्लाके रिपोर्टिङ कऽरहल धनुषा क्षेत्र नम्बर ५ के क्षेत्रीय अध्यक्ष शीतल साह बतौलनि ।
सप्तरी बाहेकसभ जिल्लासँ उत्साहजनक रिपोर्ट आएल ओ बतौलनि । धनुषाक अध्यक्ष राजकिशोर यादव धनुषाके १७ मध्ये ९ टा स्थानीय तहमे एमाले जितकऽ देखाबके बतबति हलमे ताली बजलछल ।
सर्लाही, महोत्तरी, रौतहट आ बारासँ सेहो एक नम्बर शक्ति बनके रिपोर्ट आएल साह बतौनेछलथि । आय बृहस्पतिदिन मात्र जमघटके निष्कर्ष बाहर आबके आ नयाँ अभियान शुरु होेबके एमाले जनौलकअछि ।
जमघटमे प्रदेश कमिटीके पदाधिकारी आ सदस्यसभके साथे आठू जिल्लाके पदाधिकारी तथा सदस्य आ क्षेत्रीय कमिटीके पदाधिकारीसभ सहभागी छलथि । तहिना गाउँ तथा नगर कमिटीके अध्यक्षसभ आ भातृ संगठनके पदाधिकारी जमघटमे सहभागी रहल साह बतौनेछलथि ।।

कोई टिप्पणी नहीं