स्थानीय चुनावकलेले धनुषामे म्यादी प्रहरीमे भर्ना होब युवासभके भीड - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

स्थानीय चुनावकलेले धनुषामे म्यादी प्रहरीमे भर्ना होब युवासभके भीड

स्थानीय चुनावकलेले धनुषामे म्यादी प्रहरीमे भर्ना होब युवासभके भीड


अशोक कुमार सहनी, दोहा कतार, अपन मिथिला/ चैत्र–१७गते,मधेस केन्द्रित दलसभ संविधान संशोधन नै भऽक कोनो भिऽ हालतमे  स्थानीय तहके चुनाव होबऽनै देबके अडान कऽरहलअछि । मुद्दा अखन धनुषामे स्थानीय तहके चुनावक लेल म्यादी प्रहरीमे भर्ना होब आवेदन देबबला युवासभक भीड बढलअछि । धनुषामे स्थानीय तह चुनावके चहलपहल खासे नै देख्लाकबादो म्यादी प्रहरीमे भर्नाक लेल आवेदन देबबला युवायुवतीसभ बढलअछि ।
म्यादी प्रहरीमे भर्नाक लेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषामे गत सोमदिन आ मंगलदिन दु दिन भितर १५ सय ४२ गोटे आवेदन देने प्रहरी उपरीक्षक लालमणि आचार्य जानकारी करौलनिअछि । संख्या खुलाबिक पत्र नै अएलाकऽबादो दोसर संविधानसभा चुनावमे भर्ना कएलगेल अनुसार ही स्थानिय तहके चुनावमे सेहो १५ सय ३३ गोटे म्यादी प्रहरी भर्ना कर्वाक तयारी भऽरहल ओे बतौलनिअछि ।
प्रहरी जवान सरहके ५५ दिनके लगभग ४० हजार रुपैयाँ सेबा सुविधा आ प्रमाण पत्र समेत पाबके भेलासँ आवेदन देने धनुषाके धारापानीके प्रवेशिका बराईलीके कहबअछि । अहिना कक्षा १२ उतिर्ण कऽ ईञ्जिनियरिङ पढ्वाक तयारीमे रहल धनुषा सपहीके धिरज साह दु महिना घरमे ओहिना बैससँ किछ पैसा कमाबक उद्देश्यसँ म्यादी प्रहरीमे भर्नाक लेल आवेदन देने बतौलनिअछि ।

कोई टिप्पणी नहीं