स्त्री आ पुरुष - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

स्त्री आ पुरुष

👩स्त्री आ पुरुष 👤


✍👩कामिनी चौधरी

यदि चाहैत छी अहाँ एकटा स्त्री के
त ई नहि देखियौ मात्र 
ओ कतेक सुंदर अछि 
कतेक नव यौवना अछि 
अहाँ देखियौ 
ओ स्त्री कतेक गुणमती छैथ 
कतेक समझदार 
कतेक संबंध कय सहेजय वाली 
कतेक गाँठ कय खोलय बाली 
कतेक स्वाभिमानी आ संतोषी 
यदि अहाँ स्त्री सँ प्रेम करय चाहैत छी 
त भोरूका फूल नहि 
सँझुका फूलो म ताकु ओकर सौंदर्य 
सहेजू ओकर गंध 
प्रेम आ स्त्री दुनूँ बँचल रहत 
नहि त उपहासक पात्र बनि 
एहिना उपेक्षित रहब अहाँ 
स्त्रीक नजरि मे 
स्त्री आब ओ नहि छैथ 
जे अहाँ सोचैत छी 
जाही रूप मे देखैत छी 

✍👩 कामिनी चौधरी 

कामिनी चौधरी  जी









❤❤❤❤🌼💓💓💓🌼💟💟💟💙🌻💗💗
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💚💚💚💚🌷💚💚💚💚🌼💝💝💝💝💝🌷

🌷

कोई टिप्पणी नहीं