पटनाक एस. के.पूरी स्थित चिल्ड्रेन्स पार्कमे "साहित्यिक चौपाड़ि"क एकैसम बैसार समापन भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

पटनाक एस. के.पूरी स्थित चिल्ड्रेन्स पार्कमे "साहित्यिक चौपाड़ि"क एकैसम बैसार समापन भेल

पटनाक एस. के.पूरी स्थित चिल्ड्रेन्स पार्कमे "साहित्यिक चौपाड़ि"क एकैसम बैसार समापन भेल




अशोक कुमार सहनी ,दोहा कतार ,अपन मिथिला/
बीतल 26 तारिख रवि दिन पटनाक एस.के.पुरी स्थित चिल्ड्रेन्स पार्कमे "साहित्यिक चौपाड़ि"क एकैसम बैसारक सनगर आयोजन भेल| बालमुकुन्दक कुशल संचालनमे संपन्न भेल एहि बैसारमे आदरणीय कथाकार अशोक, कवियित्री श्रीमति कामिनी, कवि रघुनाथ मुखिया, रचनाकार डॉ पंकज प्रियांशु, पत्रकार रौशन कुमार मैथिल, हिन्द चक्र पत्रिकाक सम्पादक अवधेश कुमार झा, Times Nowमे पत्रकार पवन कुमार झा सहित अविनाश कुमार, अमित पाठक, रजनीश प्रियदर्शी, नीरज शेखर, बालमुकुन्द, अमित, मुकुंद मयंक तथा नवलश्री पंकजक उपस्थिति आ सहभागिता प्रमुख रहल| एक त' एहि पार्कक रविवासरीय रमनगर प्रांगण आ ताहिपर रहि-रहि कोइलीक कुहकब..! एहन दर्शनीय आ कर्णप्रिय वातावरणमे कथा, कविता, आलेख, गजल, गीत, संस्मरण, रंगकर्म, चर्चा-परिचर्चा, इत्यादि सभ विधाक माधुर्य चरमपर छल| मने साहित्यिक चरमोत्कर्ष..!




अगस्त 2015सँ ठानल एहि अभियानक ई एकैसम बैसार छल| एकसँ-एकैस हेबाक आशीर्वाद शुभ आ समृद्धिक प्रतीक होइत अछि| समस्त साहित्य प्रेमी विशेष क' स्थापित साहित्यकार लोकनिक सहयोग आ शुभाशीष एहिना भेटैत रहए आ नवतुरियाक प्रतिभा एहिना निखरैत रहए| अपेक्षा नहि पूरा भरोस अछि जे ई संख्याँ एक दिन एकैससँ-एकसय एकैस सेहो अबस्स हएत|


चौपाड़ि एहिना सजैत रहए,
मैथिली एहिना बढ़ैत रहए|







                  साभार
    । साहित्यिक चौपाड़ि समूह ।



🌼🌼🌼🌻🌼🌼🌼🌼🌻🌼🌼
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💗💗💗🌷💗💗💗💗🌷💗

कोई टिप्पणी नहीं