जमीनी विवादमे पेट्रोल ढारि कए युवकके जिबैत जरेलक - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

जमीनी विवादमे पेट्रोल ढारि कए युवकके जिबैत जरेलक

जमीनी विवादमे पेट्रोल ढारि कए युवकके जिबैत जरेलक 


अशोक कुमार सहनी , दोहा कतार, अपन मिथिला/बिहारक दरभंगा सं बीतल शनिदिन एकटा दिल दहला देबय वला घटना प्रकाशमे आएल, जतय दिनदहाड़े एकटा शख्सकें किछु लोक पेट्रोल छिड़कि कय आगि लगा देलक। हालाकि स्थानीय लोकक मशक्कतकें बाद पीड़ित मनोज कुमार चौधरीकें मौतक मुंह सं बचा लेल गेल, मुदा ताधरि मनोजक शरीरकें आधा हिस्सा जरि गेल छल।

पुलिस मुख्यालय सं महज़ किछु दूरी पर दिल दहलाबय वला अहि घटना सं लोक हैरान अछि। घटना लहेरियासराय थाना अंतर्गत कमर्शियल चौक’क अछि। जतय विवादित जमीन पर कैलाश साह किछु मज़दूरक संग मिलिकय एकटा दरबज्जा लगेबाक काज कए रहल छल।
अहि दौरान मनोज चौधरी विरोध केलक। अहिकें बाद दुनूकें बीच तू-तू मैं-मैं भेल आ फेर हाथ-पांव चलल। अहि बीच कैलाश साहकें दिस सं बहुतो लोक आबि गेल आ मनोज चौधरीके ऊपर पेट्रोल छिड़कि कय आगि लगा देलक। मौका पर मौजूद किछु लोक जल्दी सं मनोजक शरीर पर पानि दय आगि मिझेलक।
मनोजकें गंभीर हालतमे इलाज़क लेल अस्पताल पठाओल गेल। पुलिस महिला सहित पांच गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अछि। घटनाक पाछु जमीनी विवाद बताओल जा रहल अछि।

खबैर साभार :- मिथिला मिरर सँ केने छी


💙💙💙💙💙💙💙🚩💙💙💙💙💙💙💙💙
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💝💝💝💝💝💝🎼💝💝💝💝💝💝💝

कोई टिप्पणी नहीं