‘बैण्ड बाजा बजा के’ एमालेके सभा मोर्चा नै हुवदेलक ।। - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

‘बैण्ड बाजा बजा के’ एमालेके सभा मोर्चा नै हुवदेलक ।।

‘बैण्ड बाजा बजा के’ एमालेके सभा मोर्चा नै हुवदेलक ।।



 अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार , अपन मिथिला ।  चैत १२ गते,संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाके नेता कार्यकर्तासब नेकपा एमालेके सभा नै हुवादेने अछि। सैनदिन पर्सा जिल्लाके भिडियारीमें एमाले राखने सभा के मोर्चाके कार्यकर्तासब नै हुवदेलक ।

मोर्चाके कार्यकर्तासब सभा नै हुवादैकेलेल बैण्ड बाजाके साथ पुगल छेल । मोर्चाके कार्यकर्तासब  पुगैत  साथ एमालेके नेता आ कार्यकर्तासब भागल छेल |




मधेशी मोर्चा पर्सा एमालेके जिल्लामें कोनो कार्यक्रम नै कारदेब से  निर्णय केने छेल। ओहि निर्णय अनुसार भिडियारीके कार्यक्रम नै हुवदेलक मोर्चाके नेतासब जानकारी देने अछि।

एमाले के मेची–महाकाली अभियानके बाँकी कार्यक्रम फेर दुई नम्बर प्रदेशमें करब से  कहिरहल अछि। ओहो कार्यक्रममें  विरोध करै के तयारी भरहल मोर्चाके नेतासब जानकारी देलक ।





⚡⚡⚡⚡⚡⚡🎼🎼🎼🎼🎼🎼🎼🎼
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
 🌼🌼🌼🌻🌼🌼🌼🎼🎼🎼🎼🎼🎼🎼

कोई टिप्पणी नहीं