प्रियंका क "परिवर्तन"
प्रियंका क "परिवर्तन"
नाटकमे मुख्य कलाकार प्रियंका झा , अनिता रानी मंडल , रीना रीमाल , गंगाकांत झा , राजेश सक्शेना , निलेश झा , मुकेश झा , सोनु नवीन आ ललित झा छाइथ । रमेश रंजन झा द्धारा लिखित नाटक के निर्देशन प्रियंका झा केने छाईथ ।
सड़क नाटक निर्देशक प्रियंका झाके अनुसार अहि सडक नाटकके द्धारा स्वास्थ्य एवम सर सफाई लगायत विषय सबके उठान कयल गेल अछि । प्रियंका पछिला करिब सोह्र साल सँ नाट्य क्षेत्र मे लाग छाइथ । नेपाली आ मैथिली भाषा में दर्जनौं नाटकमें अपन प्रतिभा प्रदर्शन कऽ ओ नेपाल आ भारत में चर्चित छाइथ । किछु महिना पहिले हुनकर सखी नाटक बहुत बेसी चर्चा मे आयल छल ।
अशोक कुमार सहनी ,दोहा कतार, अपन मिथिला / नाटकक क्षेत्रमे चर्चित नायिका प्रियंका झा नयाँ सडक नाटक परिवर्तन लकऽ आयल छाइथ । परिवर्तन नाटक सिरहा जिल्लाके ८ स्थान पर प्रदर्शन भऽ गेल अछि । सडक नाटक आयोजक संस्था लोक सञ्चार के कहनाई अछि जे परिवर्तन नाटक समाजमे व्याप्त कुरीति विरुद्ध जनचेतना फैलाबैमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करत । परिवर्तन सड़क नाटक सिरहा , सप्तरी धनुषा आ महोत्तरीमे ४ं०टा शो मंचन कयल जेतै ।
सड़क नाटक निर्देशक प्रियंका झाके अनुसार अहि सडक नाटकके द्धारा स्वास्थ्य एवम सर सफाई लगायत विषय सबके उठान कयल गेल अछि । प्रियंका पछिला करिब सोह्र साल सँ नाट्य क्षेत्र मे लाग छाइथ । नेपाली आ मैथिली भाषा में दर्जनौं नाटकमें अपन प्रतिभा प्रदर्शन कऽ ओ नेपाल आ भारत में चर्चित छाइथ । किछु महिना पहिले हुनकर सखी नाटक बहुत बेसी चर्चा मे आयल छल ।
फोटो साभार - प्रियंका झा जी के facebook सँ
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻💚💚💚💚💚🌻💚💚💚
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌻🌷🌷🌷🌷🌻🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं