बियाहक समयमे दशरथकेँ आज्ञाकारी राम हेता - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बियाहक समयमे दशरथकेँ आज्ञाकारी राम हेता

बियाहक समयमे दशरथकेँ आज्ञाकारी  राम हेता



✍💝मैथिल प्रशान्त 


परखने बिनु  की कोना कहू पित्तरि कि ताम हेता
माइटकेँ  गरिया रहलाह पक्का बुझू जे वाम हेता 

ताकै छी हुनका अंतअ कत' ओ देखू धुआँ उठल 
आगि लेसब काज छन्हि अबस्से ओहि ठाम हेता 

ओना त' बापक मुँहे लागल बाज'मे लाज नहि छै  
बियाहक समयमे दशरथकेँ आज्ञाकारी  राम हेता 

पढल लिखल काजुलकेँ छै आब शहरे पसीन बड़ 
डिबिया  ल'  ताकब  मनुख  सभ थोड़े गाम हेता 

फूल चान सोना रुपा जानि नहि की की छलाह 
छोड़ि देलियै हम हाथ आब कि हेता छदाम हेता 

लेखक:- ✍👤मैथिल प्रशान्त 
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।।

लेखक - मैथिल प्रशान्त जी







💙💙💙💙💙💙🌻💙💙💙💙💙
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💗💗💗💗💗🌷💗💗💗💗💗❤💗



💗💗💗💗💟


💗💗💗

कोई टिप्पणी नहीं