प्रतििदन 1200 सिगरेटक बरोबरि चूल्हाक धुआँ झेलै छथि 15 करोड़ महिला - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

प्रतििदन 1200 सिगरेटक बरोबरि चूल्हाक धुआँ झेलै छथि 15 करोड़ महिला


प्रतििदन 1200 सिगरेटक बरोबरि चूल्हाक धुआँ झेलै छथि 15 करोड़ महिला


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार ,अपन मिथिला। एकटा अनुमानक मोताबिक देश सभ साल पाँच सँ नौ लाख लोकक मृत्यु गैर स्वच्छ ईंधन सँ भोजन बनेबाक कारणें भ’ जाइ छै। ऐ पंद्रह करोड़ मे सँ छह करोड़ त’ स्वयं वर्ष 2011-13 कें ओइ सामाजिक, आर्थिक और जातिगत जणगननाक लिहाज सँ अछि, जकर आधार पर उज्वला स्कीम सँ गैस कनेक्शन देल जा रहल अछि। ई सर्वे तत्कालीन यूपी सरकार पूरा करौने छल। जहन कि अन्य 9 करोड़ परिवार सेहो स्वयं मंत्रालय के आंतरिक सर्वेक हिस्सा अछि। एकर माध्यम सँ ई जानबाक प्रयास कएल गेल रहए जे एकर बादो कते एहन परिवार अछि, जकरा स्वच्छ ईंधनक आवश्यक्ता छै।
कैलिफोिर्नया यूनिवर्सिटी मे ग्लोबल एन्वॉयरमेंट हेल्थक प्राफेसर डॉ. किर्क स्मिथक अनुसार जहन महिला लकड़ी जरा क’ खेनाइ बनबै छथि त’ एक घंटाक भीतर 400 सिगरेट जरबाक बरोबरि हानिकारक धुआँ उत्पन्न होइत अछि। डॉ. स्मिथ एकरा महिला सभक स्वास्थ्यक लेल सभ सँ बेसी खतरनाक मानै छथि। भारत मे ग्रामीण महिला सभ कें कम सँ कम तीन घंटा प्रतिदन भनसा घर मे बितब’ पड़ै छनि। ऐ हिसाब सँ देखी त’ महिला प्रतिदिन कम सँ कम 1200 सिगरेट जरबाक बरोबरि धुआँक बीच भोजन बनबै छथि।
विश्व सवस्थ्य संगठन 2014 मे अपन एकटा रिपोर्ट मे बतौने छल जे भारत मे अखनहुँ 70 करोड़ लोक ठोस वा पारंपरिक ईंधन पर निर्भर अछि। ई स्वास्थ्यक लेल बड्ड बेसी हानिकारक अछि। सेंसस 2011 केर अनुसार देश मे 33.4 प्रतिशत ग्रामीण घर मे टीवी अछि, जहन कि महज 13 प्रतिशत लोकक घर मे गैस सिलेंडर अछि। ओना राजीव गांधी एलपीजी योजना आ उज्ज्वला योजना सँ 1.9 करोड़ परिवार कें गैस कनेक्शन भेटलैए। जाहि सँ स्थिति मे किछु सुधार एलैए। पेट्रोलियम मंत्रालयक अनुसार वर्तमान मे गाम सभ मे 30 प्रतिशत परिवारक बीच गैस कनेक्शन पहुँच गेलैए। मुदा अखनहुँ एहन कतेको गाम अछि जत’ समूचा गाम लकड़ी वा अन्य ठोस ईंधन सँ खेनाइ बनेबा लेल विवश अछि।
की अछि उज्जवला योजनाक सच
उज्जवला योजना सँ गैस कनेक्शन लेबा लेल 1600 सौ रुपया लेल जा रहल अछि। जे 1600 सौ रुपया ल’ क’ गैस कनेक्शन लै छथि हुनका एकाउंट मे सब्सिडीक पैसा जाल्दिये आब’ लगै छै। किछ उपभेक्ता इहो बतौलनि जे जँ 1600 सौ रुपया ल’ क’ गैस कनेक्शन नहि लैत अछि ओकर अकाउंट मे सब्सिडीक पैसा जल्दी नहि अबै छै। गामक गरीब उपभोक्ताक लेल अखनहुँ 1600 सौ रुपया एकमुश्त जमा क’ क’ गैस कनेक्शन लेब मोसकिल अछि। गैस कनेक्शन लेबाक बादो लगभग 850 रुपया सिलिंडर लेबा मे लगै छै। गाम-घरक ओ परिवार जे पात खड़रि क’ वा बाड़ी-झाड़ी सँ लकड़ी-काठी तोड़ि क’ खेनाइ बनबैत अछि आेकरा सभक लेल एकमुश्त 850 रुपया देब सेहो मोसकिल होइ छै। एना मे वातावरण कें स्वच्छ रखबाक आ महिला सभ कें स्वस्थ रखबाक भारत सरकारक परिकल्पना कतेक साकार हैत से आसानी से बुझल जा सकैत अछि।

साभार - मिथिला मेल डेस्क

कोई टिप्पणी नहीं