रही जुड़ायल प्रासंगिक कते जूड़शीतल छै
रही जुड़ायल प्रासंगिक कते जूड़शीतल छै
✍👤अश्विनी कुमार तिवारी
------------
अखनौ जँ मन भाव बचल छै ,
प्रकृति माय के हाथ बनल छै ।
सदति रहब जुड़ायल माटि सँ ,
जूड़ शीतल के भाव सकल छै ॥
जल चक्रणके बुझियौ निमित ,
पोखरि खत्ताके भाव प्रबल छै ।
गाछ बिरिछ के जड़िमे पानि ,
चर अचर अनुराग जुड़ल छै ॥
नहि हो ब्यर्थ समय कनिको ,
बसियौरा के प्रथा बनल छै ।
दिवस प्रकृति के एक दियौ ,
जगताधारके जल सम्बल छै ॥
आगत मौसम के छै तैयारी ,
संक्रांति काल भाव प्रबल छै ।
जल संकट के भावी युग मे ,
प्रासंगिक कते जूड़शीतल छै ॥
रही जुड़ायल माटि पानि सँ ,
अश्विनीक मनआस अटल छै ।
जीवन के तखने किछु माने ,
आँखिमे जँ पानि बचल छै ॥
---- ✍👤अश्विनी कुमार तिवारी
💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚
✍👤अश्विनी कुमार तिवारी
------------
अखनौ जँ मन भाव बचल छै ,
प्रकृति माय के हाथ बनल छै ।
सदति रहब जुड़ायल माटि सँ ,
जूड़ शीतल के भाव सकल छै ॥
जल चक्रणके बुझियौ निमित ,
पोखरि खत्ताके भाव प्रबल छै ।
गाछ बिरिछ के जड़िमे पानि ,
चर अचर अनुराग जुड़ल छै ॥
नहि हो ब्यर्थ समय कनिको ,
बसियौरा के प्रथा बनल छै ।
दिवस प्रकृति के एक दियौ ,
जगताधारके जल सम्बल छै ॥
आगत मौसम के छै तैयारी ,
संक्रांति काल भाव प्रबल छै ।
जल संकट के भावी युग मे ,
प्रासंगिक कते जूड़शीतल छै ॥
रही जुड़ायल माटि पानि सँ ,
अश्विनीक मनआस अटल छै ।
जीवन के तखने किछु माने ,
आँखिमे जँ पानि बचल छै ॥
---- ✍👤अश्विनी कुमार तिवारी
💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜💚💜
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚💖💚


कोई टिप्पणी नहीं