“तोडैके नइ जोडैके बात लिखु”
“तोडैके नइ जोडैके बात लिखु”
अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार ,अपन मिथिला / चैत २४ गते ,पिछला समय नेपाल आ भारतक संबन्धमे किछक खटास आयल अछि । सदियों सँ मित्रवत संबन्ध रहल इ दुनु राष्ट्र बीच उत्पन्न असमझदारीके अंत करैके वास्ते दुनु राष्ट्र हर तरह सँ प्रयास कऽ रहल अछि । अहि क्रममे काठमान्डूमे दु दिवशीय सम्मेलन भऽ रहल अछि । भारत मध्य प्रदेशक माखनलाल चतुर्वेदी नेशनल युनिवर्सिटी ऑफ जर्नलिज्म एन्ड कम्युनिकेसन, काठमान्डू विश्वविद्यालय, बीपी कोइराल फाउन्डेसन , मिडिया एक्सन नेपालद्वारा आयोजित नेपाल भारत संबन्धमे मीडियाक भूमिका विषयक सम्मेलनमे नेपालके सूचना एवं सञ्चारमन्त्री सुरेन्द कार्की कहलाईथ जे भूकंपके समयमे भारतीय मीडियाके भूमिका ओतेक बढि़या नइ रहलै । कार्की दुनु देशके मीडियाके आग्रह केलाईथ जे आब केनाकऽ देश विकासके दिस जायत ओहि संबंधमे बेशी सँ बेशी लिखु । तहिना माखनलाल चतुर्वेदी विश्वविद्यलयके उपकुलपति बीके कुटियालाके कहनाई रहैन जे मतभेद प्रकृतिके नियम अछि लेकिन सञ्चार माध्यमके काज अछि जे ओ तोडैके बात नई जोडैके बात लिखैथ । समस्याके बढ़बै सँ बेशी ओ समाधन दईके लेल दुनु देशके सञ्चार माध्यमके आग्रह केलखिन ।
कार्यक्रममे माखनलाल चुतुर्वेदी विश्वविद्यालयक रजिष्ट्रार दीपक शर्मा कहलाइथ जे नेतृत्व बदलैत रहैत अछि लेकिन समाज नई । दुनु देशके सञ्चारकर्मीके ओ सुझाव देलाइथ जे नेतृत्वके पाछु नइ लागिक समाज के लेल काज करबाक चाही ।
कार्यक्रममे नेपालके किछु सञ्चारकर्मी भूकम्प आ नाकाबन्दीक समयके चर्चा करैत भारतीय सञ्चार माध्यमक भूमिकाके लकऽ असन्तुष्टी जतेलाइथ । जवाबमें भारतीय सञ्चारकर्मी सब ओहि आरोपके स्वीकारैत कहलाईथ जे किछ मीडिया के कारण सब पर आरोप नई लगावौल जा सकै छै ओना सिखैके जरुरत अछि ।
कार्यक्रममें डीडी न्यूजके सम्पादक ओ पी यादव, वरिष्ठ पत्रकार तरुण विजय, गढवाल पोष्टक सम्पादक सतिश शर्मा आ तहिना नेपालक तरफ सँ युवराज घिमिरे, किशोर श्रेष्ठ लगायतक वक्ता सब कहलाइथ जे दुनु देशक सञ्चारकर्मी के चाही जे सकारात्मक बातके चर्चा करैथ नइ की आपसी संबन्ध विगारै वला बात के ।
खबैर साभार- नवमन्थन सँ

♀♀♀♀♀◆♀♀◆♀♀♀◆♀
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
♂♂♂♂♂♂◆♂♂♂♂♂◆♂

कोई टिप्पणी नहीं