बापक अर्थीकें कन्हा देबाक लेल पहुँचल बेटी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बापक अर्थीकें कन्हा देबाक लेल पहुँचल बेटी

बापक अर्थीकें कन्हा देबाक लेल पहुँचल बेटी



अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार ,अपन मिथिला /चैत २४ गते: अपना समाजमे लोक बेटाक लेल मरैत अछि, मुदा आब बेटी बेटा सं कनियों कम नहि, चाहे बात व्यवहारिक जीवनक हो या फेर सामाजिक जीवनक। जरुरत पड़ला पर ओ बेटाक फर्ज सेहो निमाहैत अछि। अहि बातक प्रमाण एक बेर फेर सं बिहारक बांकामे देखबाक भेटल, जतय एक संग नौ बेटी अपन पिताकें अंतिम विदाई देलक आ अर्थीकें कन्हा देलक। बांकाके कटोरिया थाना निवासी व्यवसायी चुन्नीलाल शाहक किडनीक बीमारी सं मंगलदिन इलाजक दौरान मौत भये गेल।

कटोरिया सं दाह संस्कारक लेल सुल्तानगंज अनबाक दौरान मृतकक नौ टा बेटी पिताक अर्थीकें कन्हा देलक। जानकारीके अनुसार, मृतकक केवल नौ बेटी छल आ ओकर कोनो पुत्र नहि छल। बेटीकें पिताक लहासक संग दहाड़ मारैत देखि लोक गमगीन भए गेल।

पिताक अर्थीकें कन्हा देबय वाली बेटी मालाकें अनुसार भाई नहि रहला सं पिता समेत हमरो सबकेँ कोनो अफसोस नहि अछि, कियैक त हम पिताक अर्थीकें कन्हा दए बेटाक धर्म सेहो निमाहलौ।

खबैर आ फोटो साभार - मिथिला मिरर सँ



💐💐💐💐💐💐💐😢💐💐💐💐💐💐
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💐💐💐💐💐😢💐💐💐💐😢💐💐



कोई टिप्पणी नहीं