सिरहा जिल्ला के सिम्रहामें आइगलगी सँ ४० घर जैर चुकल आ आइग लगले अछि - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सिरहा जिल्ला के सिम्रहामें आइगलगी सँ ४० घर जैर चुकल आ आइग लगले अछि

सिरहा जिल्ला के सिम्रहामें आइगलगी सँ ४० घर जैर चुकल आ आइग लगले अछि




अशोक कुमार सहनी, दोहा कतार ,अपन मिथिला/ चैत २८ । सिराहा जिल्ला के लहान सँ ७ किलोमिटर दक्षिणमें रहल सिरहाके सखुवानन्कारकटी गाउँपालिका-४, पहिले के ८ सिमराहामें सोमदिन छाउर सुनगल आइग से अखुन तक ४० से बेशी घर जैर चुकल अछि। हरिनारायण मण्डल (खत्बे) के पुवार ढेरी से सुरु भेल आइगलगीमें अखुन तक २५ परिवारके ४० से बेसी घर जैर गेल से इलाका प्रहरी कार्यालय महेशवारीके प्रहरी नायव निरीक्षक रामकृष्ण चौधरी जानकारी देने अछि।  भोर के खाना बनाके चुल्हीसे  निकल्ल छाउर फेकला से छाउर से आइग स्लैक के आइगलागी भेल प्रहरीके जानकारी  जानकारी भेल अछि।लहान सँ गेल पाइन टंकी  गेल तैयो जाय के रास्ता नै भेला के कारण आइग बुतबै में यतेक समय लाइग रहल अछि प्रहरी जानकारी देने अछि। स्थानीयवासीस्व आइग बुतबै लेल  स्थानीय श्रोत साधनसब प्रयोग कके नियणत्रणमें लैके प्रयास केने अछि।आइग बुतबै लेल लहान, सिरहा आ राजविराज नगरपालिका दमकल के खबैर केलक तैयो  समयमें दमलक गारी नै पुगला से यतेक क्षति भेल स्थानीयवासीसब के उल्हना रहल अछि।

कोई टिप्पणी नहीं