वन्दना करैत छी श्री हनुमान (हनुमान जयंती विशेष ) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

वन्दना करैत छी श्री हनुमान (हनुमान जयंती विशेष )

।🌺🌷 --  वन्दना करैत छी श्री हनुमान--🌷🌺






लेखक - मणिकान्त झा 
**************************************
अंजनी पुत्र अहॉ छी हनुमान,
मुँह मऽ लेलहुँ अहॉ ,सुरूज भगवान,
मरूतिक, छी अहॉ वीर संतान,
अहॉक गुणक सब देवता ,
करैत छथि बखान,
अहीं मऽ बसैत छथि ,प्रभु श्री राम ।
                       काज- कौशल मऽ अहॉ वीर-बलवान ,
                       छी अहॉ संकट मोचन कृपा निधान,
                       गदा अछि अहॉक बज्र समान,
                       कतेको राक्षसक लेलियैह अहॉ प्राण ,
                       लंका जारि केलियैह वीरान,
                       मिटा देलियै नामो निशान,
                       रावणक तोड़लियै अहॉ गुमान ,
                       लंका वासी कहलक ,
                      त्राहि माम् -त्राहि माम्।
कोनो बली नैअ अहॉक समान,
छी  बड्ड वीर अहॉ, समार्थ्यवान,
अछि  ह्रदय विशाल, आ' भुजा बलवान,
योद्धा चतुर छी अहॉ ,प्रतिज्ञावान,
दैत्य - देवता वृन्द मान,
लय संजीवनी अहॉ ,
बचेलियै लखनक  प्राण,          
अप्पन भक्तक करैतछियै ,अहॉ कल्याण ,
अहॉ रखैतछियै सबहक मान ,
सियारामक ह्रदय मऽ अहींक स्थान,
अहॉ छी केसरी नन्दन ,
बजरंगी अहींक  नाम।
                               छी अहॉ धर्माचार्य महान,
                              हमरो कष्टक करू निदान,
                              हमर कियो नैअ अछि अहॉ बिन,
                              एक बेर हमरो पर दिऔ ध्यान ,
                              अहि दीनक करू सुदिन,
                              फेरियौ हमरो दुर्दिन,
                              हमहूँ जपैत छी अहींक नाम ।
छी अहॉ करूणा आ' धैर्यक खान ,
दूर करू हमर अभिमान, 
अहॉ छी बल, बुद्धि आ' दयावान,
सब देवता करैयत छथि, अहींक गुणगान ,
हमरो दिअ चरण मऽ स्थान,
वन्दना करैत छी हम, अहींक श्री हनुमान,
हमरो दु:ख पर लगबियौअ विराम ,
जिनका मऽ बसल अछि अहूँक प्राण,
हमहूँ छी भक्त ,ओहि श्री राम ।

----मणिकान्त झा ----        


कवि - मणिकान्त झा जी









💐💐💐💐💐💐💐💐💐💐👍💝💝💝💝💝💝💝💝
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💝💝💝💝💝💝💝💝💝💝👌💐💐💐💐💐💐💐💐💐

कोई टिप्पणी नहीं