नेपाल'सरकार भद्र सहमति तोड़लक, परिणाम गम्भीर हेत : राजपा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

नेपाल'सरकार भद्र सहमति तोड़लक, परिणाम गम्भीर हेत : राजपा

नेपाल'सरकार भद्र सहमति तोड़लक, परिणाम गम्भीर हेत : राजपा


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार ,अपन मिथिला / /वैशाख १३, २०७४- मधेसी दल  सत्ता घटक आ प्रमुख प्रतिपक्षी एमालेबीच स्थानीय तहके संख्या तत्काल नै बढबै के भेल सहमति विरोध करैत फेरक आन्दोलनमें जायब से चेतावनी देने अछि ।  सत्ताघटक आ एमालेबीच भेल सहमति बाध बन्द भेल संसद बुधदिन साँझ सs खुलल  छेल आ ओहि कारण मधेसी दल असन्तुष्ट भेल अछि । 

राजपा नेता राजेन्द्र महतो सरकार भद्र सहमति तोडने अछि से आरोप लगाबैत आब येकर परिणाम गम्भीर हेत से चेतावनी देने अछि । ‘हमसब आन्दोलनकारी पक्ष छी, हमरासब के साथ सरकार राज्य पक्षसे ११ जिल्लामें जनसंख्याके अनुपातमें स्थानीय तह बढाबै के सम्झौता कचुकल,’ महतो कहलक, 'मुदा सहमति लागू होइ से पहिले सरकार पछा हट्ल ई के  परिणाम गम्भीर हेत । हमसब  तुरुन्त बैसके आवश्यक निर्णय करब ।’

राजपाके दोसर नेता शरतसिंह भण्डारी कहलक  सरकार पहिले भेलसहमति तोडने अछि से आरोप लगाबैत अब आन्दोलन घोषणा हेत से चेतावनी देंने अछि। ‘सरकार हमरासब के साथ भद्र सहमति केने अछि, ओहि विश्वासमें  हमसब आन्दोलनके कार्यक्रम स्थगन घोषणा केने छेली,’ भण्डारी कहलक, ‘ई गलत निर्णय आय भेल अछि । हमसब अध्यक्ष मण्डल बैस के आवश्यक निर्णय करब ।’

एमाले संसदीय दल के उपनेता सुवास नेम्वाङ कहलक स्थानीय चुनावके सब कार्यक्रम घोषणा  भगेल अवस्थामें  सरकार कुछ दिनपहिले केने निर्णय आचारसंहिताविरुद्ध रहल  प्रतिपक्षी दल निरन्तर घच्घच्यलके तब सत्ता घटक फिर्ता ललके जानकारी देने अछि । 

कोई टिप्पणी नहीं