भारतीय चर्चित अभिनेता विनोद खन्ना के भेल आय मौत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

भारतीय चर्चित अभिनेता विनोद खन्ना के भेल आय मौत

भारतीय चर्चित अभिनेता विनोद खन्ना के भेल आय मौत





 अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला /  बैशाख १४,: भारतीय चर्चित अभिनेता विनोद खन्ना के आय मौत भगेल अछि। सांसद सेहो रहल  खन्नाके ७० वर्षके उमेरमें आय मुम्बईमें मौत भेल अछि। खन्ना बहुत पहिले सs बेमार परल छेल । ई तs सब के मालूम अछि खन्ना बहुत फिल्मसब मे काम केने छेल।


वितल अप्रिल सs बहुत बीमार भेल खन्ना भारतीय जनता पार्टीके तर्फसे सांसद सेहो  बनल छेल। एक सो ४० टा से बेशी  फिल्ममें काम कचुकल  खन्ना पछिला समय ब्लड क्यान्सरपीडित छेल। ओकरा मुम्बईके एचएन रिलायन्स फउण्डेशन एण्ड रिसर्च सेन्टरमें उपचारके समय में मौत भगेल अछि।

सन् १९४६ में जन्मल  खन्ना बलिउडके सुपरस्टार हीरो छेल। खन्ना सन् १९६८ में ‘मन का मित' फिल्म से सुरुवात केन  छेल। आ गुण्डा के रोलसे सुरु केने खन्ना सुपरहिट अभिनेता बनैमे सफल भेल छेल।

सन् १९९८ सs राजनीतिमें सक्रिय रूप से खन्ना राजनीतिमें सेहो सफल भेल छेल। उ पञ्जावके गुरदासपुर से ४बेरी  सांसद में जीतल छेल।

सन् २००३ में अलट बिहारी बाजपेयीके प्रधानमन्त्री टाईम में उ विदेश राज्यमन्त्री सेहो बंनल छेल।


कोई टिप्पणी नहीं