राइजिंग स्टार विजेता के ??
राइजिंग स्टार विजेता के ??
भारत केर एक लोकप्रिय टेलिविजन चैनल कलर्स पर पहिल बेर जनताक वोट पर नीक गायक केँ विभिन्न राउन्ड (चक्र) मार्फत अन्तिम विजेता चुनल जेबाक कार्यक्रम 'राइजिंग स्टार' विश्वक अन्य देश मे तहलका मचेलाक बाद एतय पहिल बेर आयोजन कएल गेल । हरेक शनि आ रवि दिन राति ९ बजे सँ ११ बजे धरिक एहि लाइव शो मे प्रतियोगी अपन कलाक प्रस्तुति दैत छल, आर एक निश्चित प्रक्रिया अन्तर्गत प्रशंसक दर्शक अपन मोबाईल पर डाउनलोड कएल एप्प मार्फत वोट करैत छलाह। जाहि प्रतियोगी केँ जतेक बेसी वोट भेटय, ओकरा ऐगला राउन्ड मे प्रोन्नति भेटैक। लगभग एतबे बात केँ टेलिविजन चैनल सभक तमाम तामझाम संग 'फूल कमर्शियल शो' बनाकय देखायल जाएत छल। बकौल कलर्स टेलिविजन केर एहि लाइव टैलेन्ट शो केर प्रस्तोता, लगभग २५ करोड़ दर्शक ई शो देखय। बुझि सकैत छी जे एहि २५ करोड़ दर्शक लेल जे कोनो विज्ञापन देखायल गेल से कतेक कीमती होयत।
एहि शो मे भारतक विभिन्न भाग सँ गायन क्षेत्रक सब उमेर आ सब तरहक गायकी केनिहार अनेको व्यक्ति, समूह (बैन्ड) आदि भाग लेलनि। एहि शो मे ३ गोट निर्णायक जे स्वयं गायन क्षेत्र मे महारत हासिल करबाक संग-संग अपन अनेक कृतित्व सँ दुनिया मे अलग पहिचान स्थापित कएने छथि, हुनका लोकनिक उपस्थिति शो केर वजनदार होयबाक बात सिद्ध केलक आर संगहि विशेषज्ञक रूप मे सहभागी प्रतियोगी लोकनि केँ सेहो हुनका लोकनिक प्रदर्शन ओ प्रस्तुति पर राय-विचार-सल्लाह-सुझाव दैत देखायल जाहि सँ कथित २५ करोड़ दर्शक सेहो प्रभावित आ प्रेरित होएत रहल, जेकरा सँ जेना आ जतेक संभव भेलैक वोटिंग करैत अपन चहेता कलाकार केँ एक राउन्ड सँ दोसर राउन्ड मे प्रवेश करबैत रहल। हर तरहें आइ विगत किछु मास सँ करोड़ों लोक कलर्स टेलिविजन केर एहि शो 'राइजिंग स्टार' सँ एहेन लगाव आ जुड़ाव स्थापित कय लेने छल जेकर वर्णन सहजे किछु शब्द मे संभव नहि अछि।
शो केर महारानी छलीह मिथिलाक मूल निवासी - वर्तमान दिल्ली सँ 'मैथिली ठाकुर'। महारानी कहब एक मैथिलीभाषी स्वजन्य मैथिल केर रूप मे नहि बल्कि हुनकर समग्र प्रस्तुति आर कलाक उच्चस्तरीय स्वरूप जेकर प्रशंसा कियो 'देवी' कहिकय, कियो 'पूर्ण' कहिकय, अर्थात् बहुचर्चित सुर सम्राज्ञी मैथिली ठाकुर राइजिंग स्टार केर केन्द्र मे शुरुए सँ रहली। अपन विलक्षण सुर, बेहतरीन तान आ संगीतक भाषा मे अलाप जे कहाएत छैक ताहि सब मे मैथिली एहेन स्वर-साधिकाक रूप मे देखेलीह जे केकरो हृदय केँ सीधा छूबि जाएत छल। साक्षात् सरस्वती हिनकापर सवार भऽ जाएत छलीह, हुनकर आवाज आ संगीत मे वीणावादिनी भवानीक अनुभूति भेटब केहनो कर्कश आ कठोर मानव केर हृदय केँ द्रवित कय दैत छल। धूम-धड़क्का टा बुझनिहार लेल भले ई सब कोनो खास माने नहि रखैत हो, परञ्च जाहि लेल २५ करोड़ जनता-दर्शक संग जुड़िकय ई शो देखायल गेल आर जाहि तरहक विजेता-चयन-नियम बनायल गेल, ताहि मे मैथिली महारानी छलीह आर अपन हँसी, अपन बोली, अपन गायकी संगे अपन तीक्ष्ण बुद्धि, सर्वथा प्रशंसनीय संस्कार, माता-पिताक संग अपन विद्यालय प्रति समर्पण, आर त आर... अपन मौलिक पहिचान केर मूल आधार 'मैथिली भाषा' व 'मिथिलांचल' केर मूल मिठास भरल व्यक्तित्व - सभक हृदय पर राज केलनि मैथिली।
निस्सन्देह, राइजिंग स्टार शो केर लगभग सब चुनल गेल कलाकार सब दमदार छल। सभक गायकी मे एकटा खासियत रहैक। मैथिली ठाकुर सेहो ताहि मध्यक एकटा साधिका छलीह। प्रतियोगिता अपन नियम अनुसार चलैत देखायल। कतहु ई नहि बुझायल जे कोनो प्रतियोगी संग कतहु बेईमानी भेल हो। हरेक राउन्ड मे एक-एक कयकेँ छँटाइ होयबाक छल, वोट आ निर्णायकक विशेष वोट केर आधार पर ई चुनाव प्रक्रिया निरन्तरता मे रहल। सब दिन सब ठीके रहलत। मैथिली ठाकुर सीधे फिनाले केर टिकट पेली। ओतय सेहो हुनका बहुत पैघ चुनौतीक सामना नहि करय पड़लनि। फाइनल मे पुनः अपन मिठास भरल गायकी सँ ओ पहिल चक्रमे ८२% वोट पाबिकय उत्कृष्ट रहली। ओ टप टू मे क्वालिफाइ केली। दोसर राउन्ड मे रहस्यपूर्ण ढंग सँ फेर पहिल गायकी मैथिली ठाकुर केँ करबाक लेल कहल गेल, टार्गेट हुनके सेट करय वास्ते कहल गेल आर दोसर फाइनलिस्ट बैनेट केँ ओहि टार्गेट केँ बीट करबाक लेल भरपूर समय आ माहौल बनायल गेल। कहबी गलत नहि छैक, नियत मे जखन खोट रहैछ कोनो शो चलेनिहार केर त ओ अपन सब जोखिम केँ नापि-तौलिकय चलैत अछि, तैयो कोनो-न-कोनो निशानी एहेन छोड़ि दैत छैक जे ओकर बयमानी स्पष्ट भऽ जाएत छैक।
गर करयवला बात छैक, अंकिता केर गायन उपरान्त मैथिली ठाकुर केँ गेबाक लेल कहल जाएत छैक। सामान्य नियमक आधार पर जेकर सम्पूर्ण प्रदर्शन सबसँ अधिक हो, ओकरा विशेषाधिकार भेटैत छैक जे आन प्रतियोगी द्वारा राखल गेल टार्गेट केँ ओ आब बीट करय। तथापि, एतय अंकिताक बाद मैथिली आ फेर बैनेट केँ मौका देल गेल। मुदा दोसर राउन्ड मे पुनः मैथिली केँ पहिले गेबाक लेल होस्ट राघव द्वारा बजेनाय, किछु रहस्यमयी सेटिंग फिक्स्ड होयबाक संकेत कय देलक। मैथिली ठाकुर अपन बेहतरीन गायकी मे कोनो आन गीत सँ बहुत बेसी नीक गान कयलीह, ओ अपन गलाकेँ कोमल हाथ सँ सहलाबैत ओ तान निकाललीह जाहि मे संगीतक सप्तम् स्वर स्पष्ट छल। सब कियो सराहना कएलनि। वोट सेहो बिना जज केर ७६% जनता सँ भेटब, हुनकर आन दिनक उपलब्धि ९२ अथवा ९५ सँ ऊपर ९७% संकेत केलक। आर, जखन दोसर फाइनलिस्ट बैनेट द्वारा गायकी आरम्भ भेल - गीतक बोल आर पंजाबी धून केर थिरक शुरू भेल त वोटिंग केर मीटर ५१ सँ ६१ धरि जाएत 'वोटिंग क्लोज्ड' केर संकेत देखाएत रहल। आवाज अचानक डिस्टर्ब भेल शो मे। मुदा तरफर मे मीटर ७७% पर जाएत देखायल आर एहि विन्दुपर बिना कोनो तामझाम सब निर्णायक आ प्रस्तोताद्वय बैनेट केँ विजेता घोषित कय देलनि।
मैथिली हँसिते रहि गेल छलीह। मुदा आँखिक भीतर बयमान दुनियाक गति केँ कतहु अन्दाज लगेली वा नहि, ई बात कहब संभव नहि अछि। ओ स्टार बनि चुकल छथि, एहि मे कतहु दुइ मत नहि। सब कियो हुनकर प्रसंसक बनि गेल अछि, ताहू मे दुइ मत नहि। हुनका नीक-नीक आफर सब भेटलनि, भेटतनि - ताहू मे दुइ मत नहि। मुदा एम्हर हुनकर समर्थक मे घोर निराशा व्याप्त भऽ गेल। २५ करोड़ मे २४ करोड़ जनता पक्का कानल होयत। १ करोड़ केँ भले ओ पंजाबी धूम-धड़क्का बैनेट केर विजयी होयबाक बात सही कहि देने हो, मुदा बाकी सब कियो कानल एहि बयमानी सँ। सोशल मीडियापर एहि बातक होड़ लागि गेल। ट्विटर पर सेहो महेश भट्ट सनक बड़-बुजुर्ग फिल्म निर्देशक आ तकनीकी पक्ष सँ बखूबी परिचित व्यक्तित्व टेलिविजन शो फिक्स्ह होयबाक आरोप पुनः सिद्ध भेल कहलनि। ओ मैथिली ठाकुर द्वारा चुनल गेल एतेक बढियां क्लासिकल गीत केँ पंजाबी भांगड़ा द्वारा हारबाक तीत सत्य पर सेहो आलोचनात्मक टिप्पणी कएलनि। मिथिलाक युवा अभियानी सब त कलर्स चैनल पर केस तक करबाक नियार बनबय लागल। चारूकात अफरातफरी मैच गेल। राति भैर नींद नहि आयल कतेको मैथिली प्रशंसक केँ। मैथिली जिन्दाबाद पर एहि तरहक कुटिलता कदापि स्वीकार योग्य नहि अछि। ई ओहिना भेल जेना त्रेता युग मे मैथिलीक अपहरण रावण कएने छल, राम द्वारा दसमुख रावणक बध केला उत्तर रामायण पूरा भेल छल। इन्तजार करू, मैथिली ठाकुर केर रामायण पूरा होयबाक दिनक आब।
हरिः हरः!!
लेखक - प्रवीण नरायण चौधरी

![]() |
| कवि - प्रवीण नरायण चौधरी |

कोई टिप्पणी नहीं