अपन मिथिला सेवा समाज बीतल शुक्रदिन केलक साउदी अरेबिया आ कुबैत में नियमित बैशार सम्पन - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

अपन मिथिला सेवा समाज बीतल शुक्रदिन केलक साउदी अरेबिया आ कुबैत में नियमित बैशार सम्पन


अपन मिथिला सेवा समाज बीतल शुक्रदिन केलक साउदी अरेबिया आ कुबैत में नियमित बैशार सम्पन



कैलाश यादब


अशोक कुमार ,सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/चैत,३० गते ,अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल और अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वरा संचालित दहेज मुक्त समाज अपन अभियान धनुषा केर साउदी अरेबिया देशक कार्यसमूह द्वारा यैह शुक्र दिन जुबेल टिभी सिङ्नल  केर पास पार्क मे एकटा बैसार कएल गेल जाहि मे अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर बरिस्ठ सल्लाह कार राम कुमार महतो,सल्लाह कार राजु महतो, सल्लाह कार सागर यादब, सल्लाह कार एमडि जहिर मनसुरी, सल्लाह कार दिप नायक, और दहेज मुक्त समाज अपन अभियान धनुषा केल सचिब मनोज पासवान, उपाध्यक्ष राम कुमार मण्डल, अगुवाई मे संस्था सँ जुड़ल आगामी योजनादि पर चर्चा कएल गेल अछि!
अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वारा असहाय, गरीब, अपाहिज, शहीद आर समाजक विपन्न वर्गक उत्थानक संग-संग अपन मिथिलाक भाषा आ संस्कृति समेत लेल समर्पित कार्य कएल जा रहल अछि, संगहि दहेज मुक्त मिथिला बनेबाक लेल समाज मे जनचेतनाक प्रसार कएल जा रहल अछि। विदेश मे जाकय रोजी-रोजगार कमेनाय लेकिन समाजक हित लेल अपन दुरूह-कठिन कमाइ मे सँ किछु बचत करबाक कलाक विकास केनाय एहि संस्थाक सदस्य सभक खासियत मानल जाएत अछि!
अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर कार्य कर्ता सब फिल्ड मे उतैर घुम - घुम के जनकरी देल अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल के तर्फ सँ नयाँ साल २०७४ के शुभकामना दैत, अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर नयाँ साल के बन्ल  एडेन्टी ५००/ बित्ररन केल जैय मे अपन मिथिला के १००० युवा सब देखल गेल छल! और सब कोई अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल के सपोट केल!

उपस्थित समस्त सदस्य लोकनि एकजुट स्वर मे दहेज मुक्त मिथिला बनेबाक आर एक विकसित नया मिथिला बनेबाक लेल सब युवा शक्ति केँ एकजुट बनबाक आह्वान कएलनि। बैसार मे विभिन्न वक्ता लोकनि अपन विचार रखैत कहलैन जे दहेज कूरीति सँ हमरा लोकनिक समाज आरो गरिब, लचार, कमजोर होएत अछि, एक दहेज प्रथा सँ अपन मिथिला मे सब परेसान होएत अछि। ई कूरीति आब दानवी रूप धऽ लेलक अछि, तैँ नव मिथिला बनेबाक लेल एहि कूप्रथाक त्याग करब अत्यन्त जरुरी अछि। माँगरूपी दहेज नै लियौ यौ, करियौ आदर्श विवाह बेटा केँ नहि बेचियौ यौ ‍- रोकू बेटीक बर्बादी बेटिये पर अड़ल अछि एहि संसारक सृष्टि – बेटा जेकाँ बेटियो केँ पोसियौ यौ घर-घर सँ अशिक्षा हँटबियौ यौ बेटीके एला सँ घर आँगन हँसैय – बेटिये पूतौहसँ सबहक कूल बढैय - बेटी पुतौहकेँ करै जाउ दहेजसँ आजाद – ई दहेज प्रथा सब सँ अपन मिथिला मे बहुत गरिबी बैढ रहल अछि, दहेज हँटाबु एक नया मिथिला बनाबु; यैह बात सभक जबान सँ निकलल आउर एतेक गप सप भेल छल मिटिङ मे उपस्थिति भेल!

कैलाश यादव, राम कुमार महतो, राजु महतो, सागर यादब, जहिर मन्सुरी, राम प्रकाश महतो, राम बलि राम, प्रमोद दास, राम दास, बिक्रम कापर, मनोज पासवान, दिप कुमार नायक, बिनदेस्वर यादब, संजय दास, श्रीदेब मण्डल, रबिन दास, बिरेन्द्र यादब, शिव शंकर महतो, आशिष् , गोबिन्द, शिव शंकर यादव, राम कुमार मण्डल, कपिल पासवान, देब सुनद्र दास, जय कुमार साह, राम पुकार,  ई सब पदाधिकारी एवं सक्रिय सदस्य संग संस्थाक सहयोगी लोकनि अपन-अपन राय-विचार राखि संस्थाक लक्ष्य पूरा करबाक लेल योजना बनेबाक बात पर जोर देलनि। 


*अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल के बितल शुक्रबार ७ तारिक भेल मिटिङ के बारे मे पूरा पढू!*


अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर कुबेत  देशक कार्यसमूह द्वारा यैह शुक्र दिन मलिया सिटी मे एकटा बैसार कएल गेल छल। जाहि मे अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल केर  सल्लाहकार गोविन्द महतो, मोहम्मद अयुप, मोहन सदा, बिनोद कुमार मांडल, नरेस कुमार पासवान, बिदेसर महतो, मो.मनान लगायत बहुत सर सबहक उपस्थित रहल छल।

बिदेश मे रहितो अपन मिथिला सेवा समाज के कार्यकर्ता सब अपन समाज प्रति अास्था बिश्वाश राईख। समाज के हित हेतु अपन योगदान दरहल यछ। हुनका सबहक ई हे कथन यछ। जे हम कहि भि रहु मुदा हमर तनमन सदखन हमर देश हमर समाज हमर घर प्रति हर्दम सोचईत रहयत यछ। कि समाज मे रहल कुप्रथा यानिकि दहेज प्रथा, महिला शोषण अा कु-भावना सबके कोना निर्मूल कयल जायईत। बस उहे सोईच हम कतउ छि मुदा हमर घाम घर निक रहे अा सदखन सम्रिद रहे से भावना राईख काम काज  करहल छि। अा नेपाल मे रहल कार्यकर्ता सब के मनोबल बढाईब रहल छि।                                

अपन मिथिला सेवा समाज नेपाल द्वारा असहाय, गरीब, अपाहिज, शहीद आ समाजक विपन्न वर्गक उत्थानक संग-संग अपन मिथिलाक भाषा आ संस्कृति समेत के लेल समर्पित कार्य कएल जा रहल अछि, संगहि दहेज मुक्त मिथिला बनेबाक लेल समाज मे जनचेतनाक प्रसार कएल जा रहल अछि। विदेश मे जाकय रोजी-रोजगार कमेनाय लेकिन समाजक हित लेल अपन दुरूह-कठिन कमाइ मे सँ किछु बचत कs समाज मे रहल गरिब सबहक किछ सहयोग केनाई हमरा सबहक बिचार मे बहुत पुनय अा धर्म मानल जायत यछ। अा संगहि कलाक विकास केनाय अा समाज सुधार केनाई बहुत गर्व महसुस करैछि। अाउर बिशेश बात चित समाज के लेल चर्चा केने छल। जय मिथिला 

अध्यक्ष:-कैलाश यादब

💐💐💐💐💐💐💐👍💐💐💐💐💐💐💐
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💐💐💐💐💐💐💐👍💐💐💐💐💐💐💐




कोई टिप्पणी नहीं