मधेशी मोर्चा केलक आन्दोलन घोषणा संविधान संशोधन विधेयक अस्वीकार - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मधेशी मोर्चा केलक आन्दोलन घोषणा संविधान संशोधन विधेयक अस्वीकार

मधेशी मोर्चा केलक आन्दोलन घोषणा संविधान संशोधन विधेयक अस्वीकार 


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला / चैत ३० गते,संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा आन्दोलनके कार्यक्रमसब घोषणा केने अछि ।
तमलोपा अध्यक्ष महन्थ ठाकुरके अध्यक्षतामें बुधदिन तमलोपा कार्यालयमें बैसल मोर्चाके बैसार सँ संविधान संशोधन कके मागसब सम्बोधन नै हेत तबतक आन्दोलन निरन्तर जारी राखब से निर्णय केने अछि ।

आन्दोलन जारी रहल टाइम में होइ वाल निर्वाचनमें मोर्चा भाग नै लेब सेहो निर्णय केने अछि । सरकार लबने संविधान संशोधन प्रस्ताव सीमांकन और मुख्य मुद्दासब सम्बोधन नै हेत निष्कर्ष निकालैत उ संशोधन विधेयक के मोर्चा अस्वीकार केने अछि ।

चैत ३१ गते बैरेसप्तिदिन मधेशके सबै जिल्लाके सदरमुकाममें जुलुस प्रदर्शन हेत, बैशाख ३ गते जिल्लास्थित निर्वाचन कार्यालयस्व घेराउ करै के आ बाँकी आन्दोलनके कार्यक्रमसब पछा तय करै के मोर्चा विज्ञप्तिमा उल्लेख अछि।


मोर्चा/संघीय गठबन्धन उठाएने मुद्दासब सम्बोधन करब शान्तिपूर्ण अहिंसात्मक जनअवज्ञा आन्दोलनके निरन्तर जारी राखै के निर्णय करैत आन्दोलनके थप कार्यक्रमसब सेहो सार्वजनिक केने अछि ।


कोई टिप्पणी नहीं