माँ केर प्यार सन कोनो दुलार नय - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

माँ केर प्यार सन कोनो दुलार नय

माँ केर प्यार सन कोनो दुलार नय


 ✍👤रोशन मिश्र

माँ के ममता के नय कोनो जोड़ भाई रौ 
ई त साँचे मे होई छै बेजोड़ भाई रौ

माँ केर दूध सन कोनो आहार नय 
माँ केर प्यार सन कोनो दुलार नय 
हे रौ माय स अपन दुनियाँ इजोर भाई रौ 
माँ के ममता के नय . . . . . . . . . . 

बड्ड दुख काटि क हमरा-तोरा पोसलकौ 
लाज-धाख छोड़ी क छाती मे सटेलकौ 
हे रौ नय बुझलक कखनो साँझ भोर भाई रौ
माँ के ममता के नय . . . . . . . . . . 

अपन सबहक गलती के नेनपन ओ बुझलक 
हमर गलती नुकाबै लेल सगरो दुनियाँ के सुनलक 
हे रौ आब किया बहाबै छै ओकर नोर भाई रौ
माँ के ममता के नय . . . . . . . . . . . . 
                ___ (((Roshan mishra)))___

कोई टिप्पणी नहीं