प्रहरीके पिटाई से मोर्चाके ४ गोटे घायल, राजविराज, भारदह आ कञ्चनपुरमें चक्काजाम - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

प्रहरीके पिटाई से मोर्चाके ४ गोटे घायल, राजविराज, भारदह आ कञ्चनपुरमें चक्काजाम

प्रहरीके पिटाई से मोर्चाके ४ गोटे घायल, राजविराज, भारदह आ कञ्चनपुरमें चक्काजाम


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला,/राजविराज, ९ वैशाख । निर्वाचन शिक्षा कार्यक्रम रोकै के समय में शैनदिन सप्तरी प्रहरीके मायर पिट से संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाके ४ गोटे नेता घायल भेल अछि।
राजविराज स्थित केशो अनिरुद्धवती माध्यमिक विद्यालयमें आयोजित कार्यक्रम विथोलै क्रममें संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाके विनोद यादव, आशोलाल यादव, मनोज मेहतर आ शम्भु यादव प्रहरीके अन्धाधुन मायर पिट से घयल भेल अछि। घयल भेल ४ गोटे के राजविराज स्थित गजेन्द्रनारायण सिंह सगरमाथा अञ्चल अस्पतालमें प्राथमिक उपचार कके थप उपचारके लेल धरान स्थित विपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान धरानमें भरना केने अछि। निर्वाचन शिक्षा कार्यक्रम चैलरहल टाइम में प्रचार–प्रसार समान सब सेहो नेतासब पड़ने छेल।
मोर्चाके नेतासब के प्रहरी अपन घेरामें लके निर्घात मारने छेल /
तब सप्तरी मोर्चा राजविराज स्थित जिल्ला प्रहरी कार्यालय अगाडि टायर बालेर एक घण्टा चक्का जाम केने छेल । और भारदह अस कञ्चनपुरमें  सेहो एक घण्टा चक्काजाम केने अछि।

कोई टिप्पणी नहीं