शक्तिक स्वरूपा ,प्रकृति रूपा ,जग अनूपा जानकी ! - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

शक्तिक स्वरूपा ,प्रकृति रूपा ,जग अनूपा जानकी !

💐जानकी💐

शक्तिक स्वरूपा ,प्रकृति रूपा ,जग  अनूपा  जानकी !
janki


✍👤श्री राम चन्द्र मिश्रा "मधुकर"
अम्व छथि, जगदम्व छथि , अवलम्व छथि माँ जानकी !
धरणी धिया ,सीता- सिया ,रघुवर प्रिया माँ जानकी !
दुष्ट नाशिनी ,दनुज त्रासिनी ,हरि  उपासिनी जानकी !
शक्तिक स्वरूपा ,प्रकृति रूपा ,जग  अनूपा  जानकी !
माया स्वरूपिणी ,बंध मोचिनी ,लवकुशक जननी जानकी !
जनक नन्दिनी ,जगत बन्दिनी ,ब्रह्म रंजिनी   जानकी |
भव भयक भंजनि, पाप गंजनि,  रमारूपिणी  जानकी !
मिथिलाक वाणी ,अवध रानी ,स्नेह दानी  जानकी!
भक्ति दायिनी ,शक्ति दायिनी ,मति प्रदायिनी जानकी !   
शुभ  मंगला ,विद्या कला, छवि निर्मला  छथि   जानकी ! 
अनुरागिनी ,वरदायिनी ,हरि भामिनी छथि   जानकी !
लछुमनक माते ,राम   सीते , जन  सुप्रिते   जानकी !
भवबंध मोचनि,  सती शिरोमणि ,कमल लोचनि   जानकी  !
श्री भक्ति   सुखकर , शक्ति  रघुवर , मातृ ‘मधुकर’  जानकी  

✍👤श्री राम चन्द्र मिश्रा "मधुकर "
कवि- राम चन्द्र मिश्रा 'मधुकर'जी 

कोई टिप्पणी नहीं