नेपालके गृहमन्त्री निधीके ट्वीटप्रति निर्वाचन आयोगके असन्तुष्टि, एमालेद्वारा प्रशिक्षण चलाब निर्देशन
नेपालके गृहमन्त्री निधीके ट्वीटप्रति निर्वाचन आयोगके असन्तुष्टि, एमालेद्वारा प्रशिक्षण चलाब निर्देशन
अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/बैशाख ५ गते,निर्वाचन आयोग उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विमलेन्द्र निधी कएने ट्वीटप्रति आपत्ति जनौलकअछि । आयोग सोमदिन विज्ञप्ती जारी करति निधीके ट्वीटसँ निर्वाचन आयोगके काज कारवाहीप्रति आम जनमानसमे द्विविधा उत्पन्न होबके भेलासँ सख्त ध्यानाकर्षण भेल जनौलकअछि ।निधि सोमदिन भिन्सर अपन ट्वीटमे निर्वाचन आयोगके तयारी आ सुरक्षा प्रबन्ध मात्र स्थानीय निर्वाचनक लेल प्रयाप्त नै हेवाक कहति निर्वाचनके सफलतक लेल राजनीतिक सहमति अपरिहार्य रहल कहनेछथि । समाजिक सञ्जालमे निधी लिख्ने उक्त विषय विवादित बनलअछि ।प्रमुख प्रतिपक्षी दल एमालेके साथे बहुतोसभ ओयमे चाँईख रखति सरकार निर्वाचन नै चाह्ने आरोप समेत लगौनेअछि । आयोग सेहो निधीके उक्त अभिव्यक्तिप्रति असन्तुष्टि व्यक्त कएनेअछि ।आयोग निर्वाचन सम्बन्धी तयारीमे कोनो प्रकारक कमी नै रहल जनौलकअछि । विज्ञप्तीमे आयोग आवश्यक नियम निर्देशिका तयार कएने, मतदाता नामावली फाइनल कऽ वेव साइटमे रख्ने, मतदाता परिचय पत्रके छपाई अन्तिम चरणमा रहल, मुख्य निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय जिल्ला जिल्लामे स्थापना भऽचुकल जेहन तयारीके विवरण समेत उल्लेख कएनेअछि ।निर्वाचनके सम्पूर्ण व्यवस्थापन कर्वाक काज आयोगसँ पूरा भेल अवस्थामे गृहमन्त्री निधीद्वारा निर्वाचन सम्बन्धी तयारी प्रर्याप्त नै भेल ट्वीट आएलप्रति आयोग आश्चर्य चकित भेल विज्ञप्तीमे कहलगेलअछि ।

कोई टिप्पणी नहीं