संयुक्त लोकतान्त्रीक मधेसी मोर्चाद्वार आन्दोलनक कार्यक्रम घोषणा आय मङ्गलदिन साँझ साढे ५ बजे जनकपुरक विद्यापति चौकसँ मशाल जुलुश प्रदर्शन
संयुक्त लोकतान्त्रीक मधेसी मोर्चाद्वार आन्दोलनक कार्यक्रम घोषणा आय मङ्गलदिन साँझ साढे ५ बजे जनकपुरक विद्यापति चौकसँ मशाल जुलुश प्रदर्शन
![]() |
| फ़ाइल फ़ोटो |
अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/ जनकपुर ,बैशाख ५ गते,संयुक्त लोकतान्त्रीक मधेसी मोर्चा सम्बिधान सन्सोधन नै कऽ बैशाख ३१ गते निर्वाचनक मिति तय कएलाक कारण मधेसीप्रतिके हेपहा प्रवृति बढल कहि चुनाव होब नै देबके उदेश्यसँ आन्दोलनक कार्यक्रम घोषणा कएलकअछि ।मोर्चाके बैसारसँ आय बैशाख ५ गते मङ्गलदिन साँझ साढे ५ बजे जनकपुरक विद्यापति चौकसँ मशाल जुलुश प्रदर्शन करके,७ गते बृहस्पतिदिन दुपहर १ बजे रामानन्द चौकसँ लाठी तथा सिटि जुलुस प्रदर्शन करके तहिना बैशाख ९ गते शनिदिन जनकपुरक तिरहुतिया गाछीमे विशाल विरोध सभा करके जनौलकअछि ।मेर्चा ओय कार्यक्रममे मोर्चासँ आवद्घ दलक नेता तथा कार्यकर्ता,उद्योगी, व्यवसायी, बुद्घिजीवी, किशान, मजदूर, यूवाविद्यार्थी, पत्रकार, विभिन्न संघ संस्था कर्मचारी, महिला लगायत सम्पूर्ण नगरवासी तथा जिल्लावासीसँ मोर्चाक संयोजक प्रमोद कुमार यादब अपिल कएलकअछि ।

कोई टिप्पणी नहीं