धनुषाके अधिकांश विद्यालयसभ परिक्षाके नाममे विद्यार्थीसभ सँ अवैध रकम असुली कएने रहस्य बहराएल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

धनुषाके अधिकांश विद्यालयसभ परिक्षाके नाममे विद्यार्थीसभ सँ अवैध रकम असुली कएने रहस्य बहराएल

धनुषाके अधिकांश विद्यालयसभ परिक्षाके नाममे विद्यार्थीसभ सँ अवैध रकम असुली कएने रहस्य बहराएल




अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला /चैत्र–२५ गते,धनुषासहित देशभरि भँ रहल कक्षा १ सँ ९ तकके परिक्षामे धनुषाके अधिकांश विद्यालयके शिक्षकसभ  परिक्षाके नाममे विद्यार्थीसभसँ अवैधानिक रुपमे रकम असुली कैने रहस्य बहाएल अछि ।माध्यमिक तहधरिके शिक्षा नेपालमे निःशुल्क रहल आ सामुदायिक विद्यालयसभमे अध्ययन कएलापर कोनो प्रकारके शुल्क नै तिरके प्रावधान रहितो विद्यालयके प्र.अ. आ शिक्षकसभ अवैधानिक रुपमे विद्यार्थीसभसभसँ परिक्षाके नाममे रकम असुली कैने रहस्य बहराएल अछि ।


विद्यालय व्यवस्थापन समितिके विना जानकारी करा कँ प्रश्नपत्र आ कापी परिक्षा समिति सँ खरिद कँ लओलाक कारण विद्यालयसभके प्र.अ. तथा शिक्षकसभ प्रत्येक कक्षा कोठासँ न्युनतम ४० रुपैया प्रति विद्यार्थी सँ लँ कँ ३ सय रुपैया असुली कैने रहस्य बहराएलअछि ।धनुषाके सपही वाडा नं. ४ कंचनवन गजरियामे अवस्थित ज्ञानोदय निमाविके प्र.अ. कु्लेश्वर यादव प्रत्येक विद्यार्थीसभ सँ कक्षा १ मे प्रति विद्यार्थी ४० रुपैया, २ मे ५० रुपैया , कक्षा ६ आ ७ मे ८० रुपैया आ कक्षा ८ के विद्यार्थीसभसंँ ५ सय रुपैया असुली कैने  विद्यार्थीसभ जनौलकअछि ।तहिना बनिगामास्थित श्री निमावि भंगहामे सेहो न्युनतम ४० रुपैया सँ अधिकतम कक्षा ८ मे ३ सय रुपैया तक असुली कैने विद्यार्थीसभ जनौने अछि । तहिना सपहीके जनता निमाविमे सेहो अधिकतम प्रति विद्यार्थी ७० रुपैयाधरी असुली कैने विद्यालयके प्र.अ. सुनिता यादव स्विकार करैत अपनेसभ प्रश्नपत्र आ कापी खरिद कँ अनला सँ विद्यार्थीसभसंँ उठाव परल बतौने छथि । तहिना जनकपुरक सरस्वती माविमे सेहो प्रत्येक विद्यार्थीसभसँ न्युनतम ४० आ कक्षा ९ के विद्यार्थी सँ अधिकतम २ सय रुपैया असुली कैने अछि । मुदा, सामुदायिक विद्यालयसभके परिक्षाके लेल शिक्षा कार्यालय पैसा विद्यालयके दऽरहल दावा करैत जिल्ला शिक्षा कार्यालय धनुषाके परिक्षा फाँटके प्रमुख रामवृक्ष महतो विद्यार्थीसभ सँ परिक्षाके नाममे रकम असुली केनाई गैरकानुनी भेल बतौने छथि

आय जनकपुर रेडियो में खबैर अछि

कोई टिप्पणी नहीं