मधेशक अधिकारके लेल हतियार उठेव ठाकुरक चेतावनी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मधेशक अधिकारके लेल हतियार उठेव ठाकुरक चेतावनी

मधेशक अधिकारके लेल हतियार उठेव ठाकुरक चेतावनी


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/चैत २५,मधेशक अधिकारके लेल हतियार उठेव से चेतावनी तराई–मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीके अध्यक्ष महन्थ ठाकुर  देने अछि।

तमलोपा जिल्ला कार्यसमिति जलेश्वरमें शुक्रदिन आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमें बोलैत मधेशी मोर्चाके नेतासेहो रहल ठाकुर मधेशके माग पूरा करबै के लेल आवश्यकता भेल तs हतियार उठाब सकै के चेतावनी देने अछि ।

उ कहलक, ‘हाम माग पूरा नै भेल तs निर्वाचन कोनो हाल में नै हुवा देब ।’ माग पूरा नै भेल तs निर्वाचनमें  भाग नै लेब सेहो अडान दोहरेने अछि।

उ कहलक हम सब वैशाखके दोश्रो हप्तातक देखब आ तबतक कोनो प्रतिक्रिया नै येल तs हमसब सशक्त आन्दोलन कके चुनाव नै हुवा देब सेहो चेतावनी देने अछि ।

सीमांकनके पछाडि मिलावै के बात सेहो मोर्चा निर्वाचन भाग लेत से बात के खण्डन करैत हमरा सब के माग पूरा नै हेत तबतक कोनो चुनाबमें भाग नै लेब से जिकिर केलक । आ एहि बात जनतासब के समझाब हमसब मधेश एलियन से कहलक।

कोई टिप्पणी नहीं