मिथिला माटि महान छै (गीत) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मिथिला माटि महान छै (गीत)

💐मिथिला माटि महान छै 💐
-गीत-

✍👤सुबोध चौधरी

खेत अतऽ छै हरियर-हरियर,
आबि रिझौला एहिठाम हरी-हर।
प्रेमक कमला बलान छै,
प्रितक पान मखान छै।
इ मिथिला माटि महान छै...2
एहि माटिसँ जनमल सीता,
पाहुन रामक आंजूर गीता।
एहिठाम ज्ञानक खान छै,
कण कण में भगवान छै।
इ मिथिला माटि महान छै...
भोला बनिक जाकर एला,
विद्यापति रचि मैथिली गेला।
अत् ऊगना अस्थान छै,
प्रेम भक्ति केर गाण छै।
ई मिथिला माटि महान छै...
मैथिली अतऽ केँ मिठगर भाषा, 
पढ़ु लिखु सभ इ अभिलाषा।
एक सँ एक विद्वान छै,
मैथिली अपन पहिचान छै।
इ मिथिला माटि महान छै...
।।सुबोध चौधरी ।।


कोई टिप्पणी नहीं