ऋण माएके सेवा करि कऽ तिरनाइ बाकी छै - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

ऋण माएके सेवा करि कऽ तिरनाइ बाकी छै

ऋण माएके सेवा करि कऽ तिरनाइ बाकी छै
Facebook 👇
✍👤 कुन्दन कुमार कर्ण

एखन हारल नै छी खेल जितनाइ बाकी छै
इतिहासक पन्नामे नाम लिखनाइ बाकी छै

गन्तव्यक पथ पर उठलै पहिल डेग सम्हारल
अन्तिम फल धरि रथ जिनगीक घिचनाइ बाकी छै

विद्वानक अखड़ाहामे करैत प्रतिस्पर्धा
बनि लोकप्रिय लोकक बीच टिकनाइ बाकी छै

लागल हेतै कर्मक बाट पर ठेस नै ककरा
संघर्षक यात्रामे नोर पिबनाइ बाकी छै

माए मिथिला नै रहितै तँ के जानितै सगरो
ऋण माएके सेवा करि कऽ तिरनाइ बाकी छै

सब इच्छा आकांक्षा एक दिन छोडिकेँ कुन्दन
अन्तर मोनक परमात्मासँ मिलनाइ बाकी छै

2222-2221-221-222

✍👤 कुन्दन कुमार कर्ण

कुन्दन जी के गजल सब पढू

कवि - कुन्दन कुमार कर्ण जी 


कोई टिप्पणी नहीं