मैथिली ठाकुर फाइनल में केलीह प्रवेश - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथिली ठाकुर फाइनल में केलीह प्रवेश

मैथिली ठाकुर फाइनल में केलीह प्रवेश



अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार,अपन मिथिला, बैशाख ३ गते  /कलर्स चैनल पर प्रसारित भs रहल सिंगिंग रियलिटी शो "राइजिंग स्टार"में मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर  फाइनल राउंड में मिथिलाक प्रतिभाक झलक देखबैत जोरदार एन्ट्री केने अछि |
ई समस्त मैथिलक समवेत प्रयासक प्रतिफल अछि आ हुनका स्वर मे तँ साक्षात सरस्वती छथिने। आई समुच्चा वॉलीवुडक शीर्षस्थ सांगीतिक पुरोधा लोकनि हुनक प्रतिभा सँ आह्लादित छथि। हमरा सभक लेल ई एकटा विशिष्ट गौरवबोध केर विषय थिक । एहिना मैथिली अपन प्रतिभा सँ मिथिलाक झंडा बुलंद केने रहथि आ ताहि क्रम मे जताह कतहुँ हमरा सभक सहियोग आपेक्षित हेतैक हम सभ सदैव ताहि लेल तत्पर आओर साकांक्ष रही ।



केना पूगल फाइनल में पढू 
मैथिली ठाकुर आय के शो के टॉप स्कोरर रहलीन। लेकिन टिकट टू फिनाले के लेल मैथिली के दोषर बेरी परफॉर्म करपरल । दरअसल बहुत लोगों के लगा कि चूंकि शो में आज के टॉप स्कोरर मैथिली अछि तs बहुत लोग टीवी से हट गेल छेल और शायद एहि बात के असर दिखल तब जब मैथिली दोशर बेर परफॉर्म करै बेर। दूसर बेर में मैथिली के मत्र 60 % वोट मिलल ओकर बाद सब के सब बात तीनू जजेस के फैसल पर निर्भर करै छेल। तीनू जजेस आपसमें मशविरा केलक और फेर ओकर फैसला के सुइन के बाद पूरा मिथिला  में खुशी के लहर फैल गेल। तीनू जजेस  आय के परफॉर्मेंस के आधार पर मैथिली के टिकट टू फिनाले के वास्तविक हकदार बताबैत और मैथिली इ शो के पहली फाइनलिस्ट बैन गेल।

जय मैथिलि जय मिथिला



कोई टिप्पणी नहीं