गायकी केर नबका उड़ान मैथिली
गायकी केर नबका उड़ान मैथिलि
✍👤 किलयस कृष्ण
गायकी केर नबका उड़ान मैथिली ..
विदेह भूमि केर छी संतान मैथिली.
गीत गगन चन्द्रमा बनि चमकलीह,
अपना सभक छी अरमान मैथिली..
कोइली केर कूक सन स्वर हिनक,
साधल सन सुर केर प्रमाण मैथिली.
विद्यापति बाबा बिहुँसि रहल हेता ,
हुनके लिखल अनुपम गान मैथिली.
पातालोमे सिया दाइ मगन भेल हेती,
नैहरक बढ़ौलकनि जे सम्मान मैथिली.
बनथि ध्रुवतारा संगीतक एहि अकासमे,
मैथिल एकजुटताक छी प्रमाण मैथिली..
कीसलय कृष्ण
✍👤 किलयस कृष्ण
गायकी केर नबका उड़ान मैथिली ..
विदेह भूमि केर छी संतान मैथिली.
गीत गगन चन्द्रमा बनि चमकलीह,
अपना सभक छी अरमान मैथिली..
कोइली केर कूक सन स्वर हिनक,
साधल सन सुर केर प्रमाण मैथिली.
विद्यापति बाबा बिहुँसि रहल हेता ,
हुनके लिखल अनुपम गान मैथिली.
पातालोमे सिया दाइ मगन भेल हेती,
नैहरक बढ़ौलकनि जे सम्मान मैथिली.
बनथि ध्रुवतारा संगीतक एहि अकासमे,
मैथिल एकजुटताक छी प्रमाण मैथिली..
कीसलय कृष्ण

कोई टिप्पणी नहीं