मधेसी मोर्चा आ प्रहरीबीच गौरमें झडप, तीन नेता पक्राउ
मधेसी मोर्चा आ प्रहरीबीच गौरमें झडप, तीन नेता पक्राउ
अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/ रौतहटबैशाख ७, । मधेसी मोर्चा आ प्रहरीबीच रौतहटके गौरमें झडप भेल अछि । स्थिति नियन्त्रणमें लैके लेल प्रहरीले तीन सेल अश्रुग्यास प्रहार केने अछि आ पूर्वसभासदसहित तीन गोटे केपक्राउ केने अछि।
पहिलेसs निर्धारित कार्यक्रम अनुसार मोर्चाके कार्यकर्तासब आय गौरमें लाठी आ सिठ्ठी जुलुस निकाल ने अछि। जुलुस गौर बजार घुइम के नगरपालिका कार्यालय अगाडि पुईगके नाराबाजी केने छेल । सरकारविरुद्ध नाराबाजी करहल मोर्चाके कार्यकर्तासब नगरपालिकाके कार्यालयमें पथर फेकलागल तब प्रहरी हस्तक्षेप केने अछि ।
नगरपालिके कार्यालयभित्र क्षेत्रनम्बर ६ सs निर्वाचित एमालेके सांसद रामकुमार भट्टराई के देखला सs मोर्चा कार्यकर्तासब पथर ईटा फेकने छेल ।
स्थिति नियन्त्रणमें लैके क्रममें प्रहरी तीन सेल अश्रुग्यास प्रहार केलक तब मोर्चाके कार्यकर्तासब भगल छेल । ओहि टाइम में पूर्वसभासद रम्भा देवी, रामेश्वर यादव आ अरुण सिंहके प्रहरी पकडने अछि/ तीनू गोटे तमलोपाके नेतासब अछि ।
फोटो साभार ,ऑनलाइन खबर से

कोई टिप्पणी नहीं