सिंदरी में जानकी महोत्सवक तैयारी शुरू - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सिंदरी में जानकी महोत्सवक तैयारी शुरू

सिंदरी में जानकी महोत्सवक तैयारी शुरू



अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला / धनबादक सिंदरी मे चारि मई कें धूमधाम सँ जानकी महोत्सव मनेबाक तैयारी चलि रहल अछि. चारि मई कें एत' जानकी मंदिरक पहिल वर्षगांठ सेहो मनाओल जाएत. सिंदरी सँ मनोज मिश्राक रिपोर्ट.



जनतब दैत विद्यापति परिषद्, सिंदरीक सचिव जीवकांत मिश्र कहलनि जे चारि मई कें एत' पूरा भव्यताक संग जानकी नवमी मनाओल जाएत. ऐ अवसर पर दिन भरि भजन-कीर्तन केर कार्यक्रम चलत. श्री मिश्र कहलनि जे ऐ अवसर पर खीर माता जानकी कें भोग लगाएल
जाएत. चारि मई कें माता जानकीक पूजा अर्चना प्रात: नौ बजे सँ शुरू हैत. दिनक एक बजे भोगक वितरण हैत एवं भंडाराक आयोज॒न कएल जाएत. सिंदरीक मैथिल समुदायक लोक जानकी नवमी कें ल' क' सक्रिय छथि आ तैयारी कें अंतिम रूप देबा मे व्यस्त छथि.
श्री मिश्र कहलनि जे सिंदरीक ई जानकी मंदिर झारखंडक पहिल जानकी मंदिर छी. माता जानकी महिला सशक्तिकरण केर लेल पहिल आवाज बनल रहथि. ओ महिलाक शिक्षा दीक्षा आ महिला अधिकारक लेल जोर दैत छली. तें आइ सभतरि जानकी महोत्सव केर आयोजन हेबाक चाही. 
आयोजन कें सफल बनेबा मे जवाहर लाल चौधरी, अजीत कुमार मिश्र, निर्मल झा, मदन मोहन झा, डीके झा, डॉ भास्कर झा, धीरज झा, पुजारी अमरनाथ झा आदि सक्रिय छथि. 
बाबा सेहो छथि गबैया
कहब रोचक अछि जे मध्यमवर्गीय मैथिलीक पूरा परिवारमे संगीतक बेस प्रभाव अछि। मैथिलीक बाबा बच्चा बाबू पेशा सँ जन वितरण प्रणाली केर दोकान चलाबैत अपना समय केर नीक गबैया छलाह। आइयो आकाशवाणी सँ लोकगीत ओ शास्त्रीय संगीतक कार्यक्रम सुनब हुनक दिनचर्याक हिस्सा अछि। मैथिली केर प्रारंभिक संगीतक शिक्षा सेहो बाबा बच्चा ठाकुरक सानिध्यमे पिता रमेश ठाकुर सँ भेटल छन्हि। एकर अतिरिक्त मैथिलीकें भाइ सभ सेहो संगीतमे महारत हासिल करए दिस अग्रसर छथि। जनतब कराबी जे एहि सँ पहिने सेहो मैथिली इंडियन आइडियल जूनियर ओ सारेगामापा सन भारतीय राष्ट्रीय टीवीक चर्चित सिंगिंग रियलिटी शोमे प्रतिस्पर्द्धा क’ चुकल छथि। 

साभार - मिथिला मेल डेस्क. 

कोई टिप्पणी नहीं