हिन्दूसबके प्रमुख ग्रन्थ ‘गीता’ अब मैथिली भाषामें - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

हिन्दूसबके प्रमुख ग्रन्थ ‘गीता’ अब मैथिली भाषामें

 हिन्दूसबके प्रमुख ग्रन्थ ‘गीता’ अब मैथिली भाषामें 



अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला ,/  बैशाख  १२ गते --सप्तरी । हिन्दूसबके प्रमुख ग्रन्थ ‘गीता’ आब मैथिली भाषामें सेहो पढ़ैलेल मिल्लत  ।

मैथिली साहित्य परिषद्के पूर्व अध्यक्ष सेहो रहिचुकल सप्तरीके सेवा निवृत्त शिक्षक श्री देवेन्द्र मिश्र जी गीताके मैथिली में अनुवाद  केने अछि। रैबदिन विश्व पुस्तक दिवसके अवसरमें एक कार्यक्रम आयोजना कके अनुदित ग्रन्थके लोकार्पण केने अछि । मिश्रके आमा सोनादेवी आ बुवा श्री उदित नारायण मिश्र  जी अनुदित गीता सार्वजनिक केने छेल।


अनुवादक मिश्र जी मैथिली भाषाके जीवन्त राखैकेले आ मैथिलीभाषीसब के अध्ययन करै के सहज सेहो हेत से कहैत हम ई  काम केली से बतौलक । अनुवाद करै के क्रममें शब्दसब के बहुत समस्या झेलपरल से कहैत उ ९९ प्रतिशत मैथिली भाषाके शब्दसब  प्रयोग केन से जानकारी देलक ।

ओहि अवसरमें मिश्र जी  लिखने बालसाहित्यके कृति ‘हमर मनोहर पोथी’ के सेहो लोकार्पण केने छेल । मिश्र जी  साझा प्रकाशन सs ‘बगियाक गाछ’ बालकथा सङ्ग्रह आ ‘मैथिली सामान्य ज्ञान’ प्रकाशित कचुकल अछि।  श्री देवेन्द्र मिश्र  जी ०६६ सालमें साझा बाल साहित्य पुरस्कार पाबने छेल ।

कोई टिप्पणी नहीं