डॉ. सीके राउतके कार्यकर्ताद्धारा प्रशासनमें धर्ना, दर्जनौं पक्राउ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

डॉ. सीके राउतके कार्यकर्ताद्धारा प्रशासनमें धर्ना, दर्जनौं पक्राउ

डॉ. सीके राउतके कार्यकर्ताद्धारा प्रशासनमें धर्ना, दर्जनौं पक्राउ

अशोक कुमार सहनी, दोहा कतार, अपन मिथिला/चैत २१गते ,स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनके कार्यकर्तासब मधेशके बहुत  जिल्लाके जिल्ला प्रशासन कार्यालयमें धर्ना देने छेल ओहि टाइम में दर्जनौं कार्यकर्तासब पक्राउ परल अछि । दुई महिना सँs प्रहरी हिरासतमें रहल गठबन्धनके संयोजक डा.सीके राउतके रिहाइके माग करैत सोमदिन गठबन्धनके कार्यकर्तासब प्रशासन कार्यालयमें धर्ना देने छेल।

गठबन्धनके प्रवक्ता अब्दुल खान जानकारी देने अछि खान के अनुसार सिरहा सँ १० गोटे आ धनुषा सँ दू गोटे पक्राउ परल अछि । ओकर  अनुसार मोरङ सँ पक्राउ परल १० गोटे अबेर साँझ प्रहरी छोड़ने अछि ।

धनुषा सँ रामशंकर महासेठ आ विवेक कर्ण पक्राउ परल अछि ओहिने सिरहा सँ मनोज यादव, कपिल यादव, सत्या महतो, मदनकृष्ण यादव, जितन यादव, पंकज सिंह आ दिपेन्द्र यादव ईसब पक्राउ परल अछि ।

और पूर्वी मधेश झापा सँ पश्चिम कञ्चनपुर तक  सब  जिल्लामें एकसाथ  पहिल बेरै धर्ना देने अछि।
मोटा मोटी सब जिल्लाके प्रशासन कार्यालय अगाडि धर्ना देने छेल आ कतो कतो जिल्लामें गाउँके बहुत चौक चौराहामें धर्ना सेहो देने छेल गठबन्धन जनिकारी देने अछि ।








कोई टिप्पणी नहीं