श्याम सुन्दर यादब जी द्धारा लिखत 'सखडेश्वरी छिन्नमस्ता भगवती नामक (मैथिली) किताब बहरेबाक क्रममे - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

श्याम सुन्दर यादब जी द्धारा लिखत 'सखडेश्वरी छिन्नमस्ता भगवती नामक (मैथिली) किताब बहरेबाक क्रममे

श्याम सुन्दर यादब जी द्धारा लिखत 'सखडेश्वरी छिन्नमस्ता भगवती नामक (मैथिली) किताब बहरेबाक क्रममे 

लेखक -श्याम सुन्दर यादब जी

अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार ,अपन मिथिला/ चैत २९ गते ,प्रसिद्ध सखडेश्वरी छिन्नमस्ता भगवती शक्तिपीठके विषयमे २०६७ सालमे ४८ पृष्ठक दुबराएल पुस्तक(मैथिली) बाहर भेल छल । तत्कालीन सप्तरी उद्योग वाणिज्य संघक पूर्व अध्यक्ष मनोज कुमार  मुण्धडा प्रकाशक रहल छल ।
 किछु विशेष अध्ययन अनुसन्धान क’ कए दोसर संस्करण अन्दाजी ८० पृष्ठक पुस्तक ‘सखडेश्वरी छिन्नमस्ता भगवती दर्शन’ सँ बहरेबाक क्रममे अछि । बस किछु दिनक प्रतिक्षा अछि । एहु संस्करणके प्रकाशक मनोज कुमार मुण्धडा, मुद्रक साझा अफसेट प्रेस राजविराज आ’ विशेष प्रोत्साहन कएनिहार अग्रज साहित्यकार देवेन्द्र मिश्र, शिवनारायण साह आ’ करुणा झाके बहुत बहुत धन्यवाद एवम् आभार । सङ्गहि साजसज्जा कएनिहार मित्र गौतम चौधरी आ’ कम्प्युटर सेटिङ्गमे परिश्रम कएनिहार भाइ अनिलकुमार यादवकें विशेष धन्यवाद । सामाजिक सञ्जालक मित्र लोकनि आ’ अपन जन्मभूमी छोडि परदेशमे रहनिहार अग्रज, सहकर्मी एवम् भाइसभके सेहो याद क’ रहल छी ।

जानकरी साभार - श्री श्याम सुन्दर यादब जी के facebook से

लेखक - श्याम सुन्दर यादब जी



कोई टिप्पणी नहीं