हाइरो के जीत गेल ‘मैथिली’ : ‘राइजिंग स्टार’ के फैसल पर उठ रहल अछि सोशल मीडिया में सवाल ! - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

हाइरो के जीत गेल ‘मैथिली’ : ‘राइजिंग स्टार’ के फैसल पर उठ रहल अछि सोशल मीडिया में सवाल !

 हाइरो के जीत गेल ‘मैथिली’ : ‘राइजिंग स्टार’ के फैसल पर उठ रहल अछि सोशल मीडिया में सवाल !



 अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार अपन मिथिला ,बैशाख १० गते / कलर्स टीवी के शो राइजिंग स्टार के फैसला भ चुकाल अछि । राइजिंग स्टार के खिताब बेनेंट दोसांज के मिलल । मुदा बिहार के बेटी मैथिली ठाकुर जीत लेलक मैथिलिसब के  दिल । सोशल मीडिया पर शो के फैसले के खिलाफ लोग सवाल खड़ा  करहल अछि ।

ई मुद्दों के लके उठ रहल अछि सवाल

1.बेनेट के शो के टाइम जब वोट परसेंटेज 50-51 के करीब छेल तब ओकर बाद सीधे 61 और वोटिंग बंद होइके बाद सीधे 77 पर वोटिंग मीटर के जंप कके जाय पर लोग सवाल उठा रहल अछि 

2. मानलू लेली की पूरा शो लाइव छेल मुदा इ शो के दौरान कतो टेक्निकल दिक्क नै देखै के  मिलल मुदा  जब बेनेट परफॉर्म कैर रहल छेल तब दू बेरी ओकर माइक के आवाज बंद भेल

3. जब वोटिंग मीटर बंद भगेल छेल तब ओकर  बाद आखिर के समय में सीधे वोट परसेंटेज के जंप करै जाय के लोगों सब चौक रहक अछि

4. मिथिला स्टूडेंट यूनियन के तरफ से अनूप मैथिल  newsofbihar.com से बातचीत करैत जानकारी देलक की जब टीवी पर बेनेट के शो के दौरान वोटिंग क्लोज होई के संदेश दिखा रहल छेल तब ओकर  स्क्रीन पर वोटिंग मीटर 61 परसेंट दिखा रहल छेल और उ बधाई संदेश पोस्ट करै वाला छेल की तब अचानक से वोटिंग मीटर के जंप करै जाय कतो ने  कतो सेटिंग के प्रमाणित करैत अछि


फेसबुक और ट्विटर के माध्यम सs बिहार के लोग आक्रोश जाहिर करै रहल अछि । कोई ई मानै के कतौ तैयार नै अछि  कि मैथिली ठाकुर के इतेक नीक परफॉर्मेंस के बादो उ देश के पहली राइजिंग स्टार नाइ बनल। मिथिला स्टूडेंट यूनियन के राष्ट्रीय अध्यक्ष रौशन मैथिल और राष्ट्रीय महासचिव अविनाश भारद्वाज  इके ललके कलर्स टीवी के खिलाफ केस करै के बात सेहो करहल अछि । मिथिला आंदोलन से जुड़ल पंकज प्रसून, शरत झा, रांची के रहैवाल  सुजीत झा, उग्रनाथ मिश्र, श्रीचंद कामत, बीरबल यादव, विभय झा, दीपेश आनंद, मृत्युंजय छंदोग्य, इंजीनियर कुमार, रूस में रहैवाला कारोबारी पंकज झा, मशहूर उद्घोषक राधे भाई, राजनारायण झा, धीरज कुमार मिश्र, कल्याण मिश्र, सिंघिया गांव के विकास झा, अतुल मोबाइल, राजेश ठाकुर, सदरे आलम, मनीष झा, अमलेश मंडल  दोहा क़तार सs विंदेश्वर ठाकुर,धनेश्वर ठाकुर बेचन महतो ,अपन मिथिला संचालक,अशोक कुमार सहनी, समेत सैकड़ो लोग सोशल मीडिया के माध्यम से अपना आक्रोश जाहिर करहल अछि।

मुदा मैथिली ठाकुर पूरा देश के लोगों के दिल जीत लेने अछि …और मैथिली के बहुत आगु जाय के अछि…राइजिंग स्टार जेहेन मंच पर दोसर स्थान आबै के सेहो बहुत बड़का उपलब्धि अछि। हमर सबके शुभकामनाएं मैथिली के संग अछि ।

हिंदी में साभार ,न्यूज़ ऑफ़ बिहार

कोई टिप्पणी नहीं