डाईनके आरोपमे एक दम्पतीउपर खुकुरी प्रहार भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

डाईनके आरोपमे एक दम्पतीउपर खुकुरी प्रहार भेल

डाईनके आरोपमे एक दम्पतीउपर खुकुरी प्रहार भेल


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला /लहान,बैशाख ५ गते,सिरहाके धनगढीमाई नगरपालिका ६ मोतियाहीके एक दम्पतीके डाईनके आरोपमे स्थानीय बासिन्दासभ खुकुरी प्रहार कएनेअछि। स्थानीय एक किशोरीके टुनामुना कऽ बिरामी बनौने कहति ५० वर्षके कुसमादेवी यादव आ ओकर पति ५५ वर्षक अशेश्वर यादवके मारपिट कएनेअछि ।खुकुरी प्रहारसँ घाहिल दुनुके लिला मदन पोलिक्लिनिक लहानमे उपचार भऽरहलअछि । मारपिटसँगे खुकुरी प्रहार कएलासँ कुसमाके हात, पैर आ माथमे गहरा चोट लागलअछि । ओकर पति अशेश्वरके बायाँ हात आ नाकमे चोट लागल  अस्पताल जनौलकअछि ।घाहिल कुसमाके अनुसार पडोसीसभ शिव कुमार यादव, विजय यादव आ आशाराम दास पति पत्नी दुनुके लाठी आ खुकुरी लऽक मारपिट कऽ घाहिल बनौनेअछि । कथित डाईनके आरोपमे प्रौढ पति–पत्नीके मारपिट करबला शिवकुमार यादव, शिवकुमारके भाई विजय यादव आ आशाराम दासके नियन्त्रणमे लेने इलाका प्रहरी कार्यालय लहानके प्रमुख डिएसपी हिरा बहादुर पाण्डे बतौलनिअछि ।घटनाके कानुनी प्रक्रियामे जाय नै देब सोमदिन इलाका प्रहरी कार्यालयमे दुनु पक्षके छलफल चलिरहलछल ।

कोई टिप्पणी नहीं