राष्ट्रपति दिल्लीमे, भारतीय राज्यमन्त्रीद्वारा स्वागत, शुक्रदिन सार्वजनिक बिदा नै देवाक घोषणा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

राष्ट्रपति दिल्लीमे, भारतीय राज्यमन्त्रीद्वारा स्वागत, शुक्रदिन सार्वजनिक बिदा नै देवाक घोषणा

राष्ट्रपति दिल्लीमे, भारतीय राज्यमन्त्रीद्वारा स्वागत, शुक्रदिन  सार्वजनिक बिदा नै देवाक घोषणा 


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/ बैशाख ५ गते,५ दिनके राजकीय भ्रमणके लेल भारत पहुँचल राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारीके नयाँ दिल्लीस्थित ईन्दिरा गान्धी अन्तर्राष्ट्रिय बिमानस्थलमे भारतीय महिला तथा बालबालिका बिकास राज्यमन्त्री कृष्णा राज स्वागत कएलीअछि ।

राष्ट्रपति भण्डारीके स्वागतमे भारतक लेल नेपाली राजदूत दीपकुमार उपाध्याय, नेपालक लेल भारतीय राजदूत मञ्जित सिंह पुरीलगायत पदाधिकारी बिमानस्थल पहुँचलछल ।सोमदिन राष्ट्रपति भण्डारी नयाँ दिल्लीके मुख्यमन्त्री अरबिन्द केजरीवालसहितके नेताके भेट्वाक कार्यक्रम रहलछल । साथे, ओ नयाँ दिल्लीस्थित नेपाली दुताबासमे आयोजित कार्यक्रम आ रात्रिभोजमे सेहो सहभागिता जनौने बताओलगेलअछि ।भारतीय राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जीके निमन्त्रणामे राष्ट्रपति भण्डारी भारत गेलछथि । राष्ट्रपतिमे निर्वाचित भेल हुनक यी पहिल विदेश भ्रमण रहलअछि ।तहिना राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी पडोसी मित्रराष्ट्र भारतके राजकीय भ्रमण कऽ स्वदेश घुर्वाक दिन आगामी शुक्रदिन सार्वजनिक बिदा नै होबके भेलअछि ।गृह मन्त्रालय सोमदिन एक विज्ञप्ति जारी कऽ राष्ट्रपति भण्डारीसँ भारतके राजकीय भ्रमणके सिलसिलामे प्रस्थानके दिन वैशाख ४ गते नेपालभरिके सब सरकारी कार्यालय एवम् विदेशस्थित नेपाली नियोग समेतमे सार्वजनिक बिदा होबपर्वाकमे अन्यथा भेलासँ संशोधन कएने जनौलकअछि ।अयसँ आगा रबिदिन गृह मन्त्रालय विज्ञप्तिमार्फत राष्ट्रपति भण्डारी भारतके राजकीय भ्रमणके लेल प्रस्थान कर्वाक आ स्वदेश घुर्वाक दुनु दिन सार्वजनिक बिदा देबके जनौनेछल ।राष्ट्रपति भण्डारी भारतक राजकीय भ्रमणके लेल नेपाली प्रतिनिधिमण्डलके नेतृत्व करति सोमदिन ओयदिस प्रस्थान कएनेछथि । ओ भ्रमण पूरा कऽ याह् वैशाख ८ गते शुक्रदिन स्वदेश घुर्वाक कार्यक्रम रहलअछि ।




कोई टिप्पणी नहीं