जनकपुरके मेलामें रहै के व्यवस्था नै भेलासँ जानकी मन्दिरके आगाँ में दर्शनार्थी सुतै लेल बाध्य भेल।। मेलाप्रति गैरजिम्मेवार रहल अधिकारीसबके कडा कारवाही करै के व्यापार संघक अध्यक्षके माँग - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

जनकपुरके मेलामें रहै के व्यवस्था नै भेलासँ जानकी मन्दिरके आगाँ में दर्शनार्थी सुतै लेल बाध्य भेल।। मेलाप्रति गैरजिम्मेवार रहल अधिकारीसबके कडा कारवाही करै के व्यापार संघक अध्यक्षके माँग

जनकपुरके मेलामें रहै के व्यवस्था नै भेलासँ जानकी मन्दिरके आगाँ में दर्शनार्थी सुतै लेल बाध्य भेल।। मेलाप्रति गैरजिम्मेवार रहल अधिकारीसबके कडा कारवाही करै के व्यापार संघक अध्यक्षके माँग




अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/ चैत ,२४ गते /मर्यादा पुरुषोत्तम भगवान रामके जन्मदिनक अवसरमें जनकपुरमें आयोजित रामनवमी महोत्सवके क्रममें रहै के व्यवस्था निम्न ढगसँ नै करै से मेला प्रभावित भेल अछि । वासके अभावमें बाहार सँ एल दर्शनार्थीसब राति जानकी मन्दिर आ और बहुत मन्दिरके आगाँ आ सडकके साइडमें राति बिताबै लेल बाध्य भेल अछि। सब वर्ष जनकपुरमें हुव वाल  मेलाके टाइम में प्रशासन रहै के आ टॉइलेट बेबस्था करै छेल मुदा एहि बेरी जनकपुरमें कोनो काम नै देखल गेल अछि ।


जनकपुरके मेलाके नै हुवा दै के षडयन्त्र रहल स्थानीय वासीसब के आरोप लगा रहल अछि । राजनीतिकर्मी राजिव झा जी के कहनाम अछि ई चुक क्षमायोग्य नै रहल अछि।
मेला व्यवस्थापनमें देखल गेल एहेन लापरवाहीके कारण जनकपुरमें मेलाके टाइम में सेहो गन्दा बनल अछि । जनकपुरके मेलासब व्यवसायीसब केलेल बहुत बड़का प्रभाब राखै छै ओकरा सब के बेपार के लेल बहुत  बड़ा मनैत अछि । मेलामें लाखो के कारोबार सेहो होइ छै। एहि किसिमके अव्यवस्थापन रहत तँ व्यवसाय प्रभावित हेत से डर व्यवसायीसब के  सताब लागल अछि । जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघका अध्यक्ष शिवशंकर साह हिरा जी मेलाप्रति गैरजिम्मेवार रहल अधिकारीसब के कडा कारवाही करै के मांग केने अछि। 


जनकपुरमें रामनवमी, जानकी नवमी,झुला, दशै, छठ, विवाहपञ्चमी, परिक्रमा जेहेन मेलामें बहुत संख्यामें भक्तजनसब आबै छै ई टाइम पुरा जनकपुर भरल रहै छै। एकरा लेल प्रमुख जिल्ला अधिकारीके संयोजकत्वमा मेला व्यवस्थापन समितिपनि गठन सेहो करै य । मुदा उ मेला व्यवस्थापन समिति प्रभावकारी रुपमें काज नै करै से एहेन अवस्था आरहल से देखल गेल अछि। मेला व्यवस्थापन समिति गल्ति केली स्वीकार केलक तैयो एक दोसर ऊपर  जिम्मेवारी थोपै के काज करहल अछि ।



बीतल अगहन महिनामें भेल विवाहपञ्चमीके टाइम में एहिने अवस्था रहल छेल । गल्ति सँ सबक सिखै के उत्तम उपाय रहल अछि मुदा जनकपुर में गल्ति पर गल्ति करै तैयो नै कोनो  दबाब दरहल  आ नै कोनो नकारबाही भरहल  अछि ।


नेपाली से न्यूज  आ फोटो साभार ,सुजीत कुमार झा जी 
जनकपुर 


मैथिली अनुवाद- अशोक कुमार सहनी




💐💐💐💐💐💐💐💐💐👍💐💐💐💐💐
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💝💝💝💝💝💝💝👏💝💝💝💝💝💝


कोई टिप्पणी नहीं