जनकपुरमें बस आ टाटासुमो एकआपस मे ठोकला सs २ गोटे के मौत , कतेको घायल
जनकपुरमें बस आ टाटासुमो एकआपस मे ठोकला सs २ गोटे के मौत , कतेको घायल ।
अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला / बैशाख १२, जनकपुर–ढल्केबर रोड में जनकपुर सs छुटल बस आ ढलके तरफ सs जारहल टाटासुमो एक आपसमें ठोइक के २ गोटे के घटनाभेल ठाम में मौत भेल अछि । आ ६ गोट घायल सेहो भेल प्रहरी जानकारी लेने अछि ।
मँगलदिन दुपहर के जनकपुर सs महेन्द्रनगरतरफ़ जारहल ना २ ख ५२२६ नम्बरके बस आ महेन्द्रनगरसे जनकपुरतरफ़ आरहल ना १५ च १७५० नम्बरके टाटासुमो एक आपसमें ठोइक के दुर्घटना भेल अछि ।
घटनामें टाटासुमोके चालक आ और एक व्यक्तिके घटना भेल ठाम में मौत भेल अछि ।
मौत भेल में सर्लाही जिल्लाके सर्लाही नगरपालिका वडा नं. ९ रहनिहार उमेश कुमार कर्ण आ सर्लाही घुर्कौलीके भुल बहादुर कार्की रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जानकारी देने अछि।
बसके आधा दर्जन यात्रुसब सेहो घायल भेल अछि ।
घायलसब के इलाज के लेल जनकपुर अञ्चल अस्पताल लगेल अछि ।
प्रहरीके जनकारीअनुसार, सवारी अभरटेक करै के समय मे घटना भेल प्रारम्भिक अनुसन्धान बुझल गेल अछि । यत, बसके चालक भाईग गेल अछि । आ घटना विषयमें थप अनुसन्धान भरहल प्रहरी जानकारी देने अछि ।




कोई टिप्पणी नहीं