जानकी नवमीमें कहिया सं कहिया धैर की सव होयत (तालिका) सहित : - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

जानकी नवमीमें कहिया सं कहिया धैर की सव होयत (तालिका) सहित :

जानकी नवमीमें कहिया सं कहिया धैर की सव होयत (तालिका) सहित :




*बैशाख १४ सं २१ जानकी जन्म बधाई गान

*बैशाख १७ गते भिठमोरमें  जगत गुरु राजेन्द्र दाशजी    महाराजक भव्य स्वागत ।

*बैशाख १८ गते सं जानकी मन्दिर में राम कथा प्रारम्भ होयत ।

* #जानकीनवमी  बैसाख २१ गतेशाही स्नान, (दुग्धमतीमें) १२ बजे जन्म जयंती, ४ बजे सोभा यात्रा, नगर परिक्रमा(दर्शन), संध्या ७ बजे जानकी जन्म संध्या आरती । आरती में २१ गोटे महिला समेत सहभागी आ रात्रि काल बधाई गान ।

*बैशाख २२ प्रातःकाल राम कथा प्रारम्भ । संध्या प्रहर भारतके दिल्ली सं आयल महिला मंडलीसव द्वारा जानकी जन्म पर आधारित नाट्य झांकी ६ दिन तक ।

*बैशाख २६ गते जानकी जन्म पर आधारित मिनापक नाट्य प्रश्तूती ।

*जानकी नवमी क अवशर पर जनकपुर भीठामोड़ सड़क मरम्मत सम्हार होयत  ।
जानकी नवमी के भब्यता देवाक लेल आई बैशल सर्वपक्षीय बैशार सं बिभिन्न समिति सब आ संयोजक सव तोकल गेल धनुषा जिल्लाके प्रमुख जिल्ला अधिकारी दिलीप चापागाईके संयोजकत्व में शान्ति सुरक्षा, नगरपालिका के सरसफाई, जानकी मन्दिर अपने स्वागत सम्मान, जिल्ला जान स्वास्थ्य के स्वास्थ्य शिविर, सड़क बिभाग के रोड मरम्मत संहार, टॉफिक के ट्राफिक व्यव्वस्थापन, शेभ हिस्टोरिकल जनकपुर आ अधिवक्ता रेखा झा के जानकी महा आरती , संगहि बृहत्तर, जिल्ला प्रहरी कार्यालय, अन्य संघ संस्था सव के सेहो कार्यक्रम सफल बनेबाक लेल आग्रह कयल गेल अछि । गौ संरक्षण मंच के संयोजकत्व में नगर में दिवाली मनेबाक जिम्मा भेटल जानकी मंदिर श्रोत जानकारी देलक अछि ।
भारत सं आबय वाला साधु संत आ पर्यटक के सुबिधा के लेल सड़क विभाग के जनकपुर सं भीठामोर सड़क के तत्काल मरम्मत संहार करवाक लेल निर्देशन देल गेल अछि ।
जिल्ला बिकाश समिति, गूठी संस्थान जनकपुर के सेहो अपन स्तर सं आर्थिक सहयोग के लेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी चापागाई निर्देषणात्मक आग्रह कयल ।

कोई टिप्पणी नहीं