सोहर ( जानकी -जन्म )
सोहर ( जानकी -जन्म )
✍👤शिव कुमार झा 'टिल्लू '
**************************************************
चलू चलू हे सखि देखब मिथिघर अभिनव हे
ललना रे भरलनि कोर सुनयनाके सुनू- सुनू कलरव हे !
लेल अवतार भवानी मिथिघर आयलि हे
ललना रे भूमिसँ निकसि रुद्राणी कि कोर नुकायलि हे !
बागमती जल कलकल रानी नहायलि हे
ललना रे गितहारिन तन मलमल सोहर सुनायलि हे !
मिथिलाके बेटी मैथिली जनकक सीता हे
ललना रे परमप्रिया ई बहिना हेती हरिप्रीता हे !
देसिल सुवासक गंध धरा छिड़िआयलि हे
ललना रे सियाधिया माटिसँ निकसलि माटिए समायलि हे !
देल जगतकेँ अमरित अपने तपस्विनी हे
ललना रे करथि सदाशिव विनती कि पुनि आऊ पद्मिनी हे !

![]() |
| गीतकार- शिव कुमार झा 'टिल्लू' जी |

कोई टिप्पणी नहीं