रेडियो नाटक कार्यक्रम हिलकोरके कार्यक्रमके विच समिक्षा काएलगेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

रेडियो नाटक कार्यक्रम हिलकोरके कार्यक्रमके विच समिक्षा काएलगेल

रेडियो नाटक कार्यक्रम हिलकोरके कार्यक्रमके विच समिक्षा काएलगेल 


अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार, अपन मिथिला / वैशाख २० गते -- बालविवाह, दहेज प्रथा तथा विभिन्न कुरुतीसभ पर आधारित रेडियो नाटक कार्यक्रम हिलकोर कार्यक्रमके आई एक कार्यक्रमके विच समिक्षा तथा कलाकारसभके सम्मान कार्यक्रम जनकपुरमे सम्पन्न भेल अछि । जनकपुर सँ प्रसारित रेडियो जनकपुर ९७ मेगाहर्ज सँ प्रत्येक मंगल आ शुक्र दिन साँझमे प्रसारण होइत आवि रहल हिलकोर नाटकके जम्मा १०४ टा श्रृखला प्रसारण काएलगेल अछि ।
पपुलेसन मिडिया सेन्टर तथा एन्टेना फाउण्डेशन नेपालद्धारा उत्पादित हिलकोर नाटकके अधिकांश कलाकारसभ जनकपुरक कलाकारसभ रहल छथि ।
एन्टेना फाउण्डेशन नेपालक अध्यक्ष राजेन्द्र शर्मा तथा पपुलेशन मेडिया सेन्टरके नेपाल प्रतिनिधी राजन पराजुली, बरिष्ठ साहित्यकार तथा नाटककार डा. महेन्द्र मंगलगियासहितके विशेष आतिथ्यमे आयोजित समाजक परिवर्तनक लेल रेडियो कार्यक्रम हिलकोरके आई समिक्षा करैत करिब ४८ गोटे कलाकारसभके सम्मान सेहो काएलगेल अछि ।
सम्मानित होवएवालामे रेडियो जनकपुर ९७ मेगाहर्ज, हिलकोर नाटकके रेकर्डिङ स्टुडियो स्थल नवरस स्टुडियो जनकपुरधामसहित हिलकोर नाटकके स्क्रिप्ट लेखक स्नेहा झा , कार्यक्रम संयोजक रविन्द्र झासहितके उपस्थिती रहल छलनि ।
आय रेडियो जनकपुर में खबैर अछि


कोई टिप्पणी नहीं