बात मान आब नञि कराबै तू प्रतिक्षा गै जूली - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बात मान आब नञि कराबै तू प्रतिक्षा गै जूली


बात मान आब नञि कराबै तू प्रतिक्षा गै जूली।।


✍👤राजदेव राज
बस पूरा कदे हमर एकटा ईक्षा गै जूली
हमरा सँ लले प्रेम बला शिक्षा गै जूली

दीवाना छी तोहर चाहे खूआले कोनो किरिया। 
बात मान आब नञि कराबै तू प्रतिक्षा गै जूली।।

तोरा बिन हमर जीनगीक कोनो मोल नञि ।
जिनगीक संगी बनि दे प्रेमक सदीक्षा गै जुली।।

बानहि दे तू प्रितक डोर सँ सदित बनहायल रहब। 
आब हमारा सँ नञि लए तू परीक्षा गै जूली।।

बस एक बेर नयन सँ नयन मिलाक' देख बताहि। 
बतहा राज" मगैत छौ प्रेमक भिक्षा गै जूली।।

 📝   राजदेव राज

कवि - राजदेव राज

कोई टिप्पणी नहीं