नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
✍👤सत्या यादव "सरोज"
————————————
करैछी प्रिये आहाँ सँ निहोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
आउ निपैछी बिवादक असोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
मानि जाउ आब नै करब तंग
सातो जन्म प्रिये हम रहब संग
जेना रहै छै चकोरक जोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
हम करै छलहूँ प्रिये मजाक
आहाँ छी प्रिये लाखो मे एक
करेज धधकैए छोरु बखेरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
एेहने सदिखन हँसैत रहू
हमर करेज जुरबैत रहू
भर दीयौ प्रिये सिनेहक बोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
देखियौ चान चमकै छै
देख चकोर बहकै छै
सगरो होइछै प्रेमक सोहरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
जुनि आब प्रिये करु बिलंम
अंक जोरु एक-दोसर के संग
उठ दीयौ सिनेहक धिधोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा।।
📝 सत्या यादव (सरोज)
✍👤सत्या यादव "सरोज"
————————————
करैछी प्रिये आहाँ सँ निहोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
आउ निपैछी बिवादक असोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
मानि जाउ आब नै करब तंग
सातो जन्म प्रिये हम रहब संग
जेना रहै छै चकोरक जोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
हम करै छलहूँ प्रिये मजाक
आहाँ छी प्रिये लाखो मे एक
करेज धधकैए छोरु बखेरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
एेहने सदिखन हँसैत रहू
हमर करेज जुरबैत रहू
भर दीयौ प्रिये सिनेहक बोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
देखियौ चान चमकै छै
देख चकोर बहकै छै
सगरो होइछै प्रेमक सोहरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा
जुनि आब प्रिये करु बिलंम
अंक जोरु एक-दोसर के संग
उठ दीयौ सिनेहक धिधोरा
नै तोरब कहियो प्रेमक डोरा।।
📝 सत्या यादव (सरोज)
![]() |
| कवि - सत्या यादव (सरोज ) जी |


कोई टिप्पणी नहीं